मुख्यमन्त्री सिंहद्वारा सामुदायिक विद्यालयसभक अनुगमन – Naya Bikalpa
June 22, 2025, Sunday      Epaper

मुख्यमन्त्री सिंहद्वारा सामुदायिक विद्यालयसभक अनुगमन

जनकपुर : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह विद्यालय शिक्षा व्यवस्थापनकेँ गुणस्तरीय आ प्रभावकारी बनेबाक दिशामे सम्बद्ध पक्षसभकेँ आवश्यक निर्देशन देलक अइछ।

मुख्यमन्त्री सिंह आइ धनुषा जिलाक हङ्सपुर नगरपालिकाके दू गोट सामुदायिक विद्यालयक अनुगमन करैत ओत विद्यमान बेथिति आ विसङ्गति हटेबाक लेल पालिकाक पदाधिकारी, विद्यालय व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष, प्रधानाध्यापक आ शिक्षकसभकेँ निर्देशित कएलैन।

अनुगमनक क्रममे नगरपालिका–२ स्थित राष्ट्रिय प्राथमिक विद्यालय, बघचौँडामे निजी विद्यालयमे अध्ययनरत विद्यार्थीसभक नाम देखा क तकर नामसँ छात्रवृत्ति आ नास्ताक सुविधा लैत भेटल, मुख्यमन्त्री सिंह जानकारी देलैन। सरकार विद्यार्थी संख्या आधारित छात्रवृत्ति आ खाजा खर्च सामुदायिक विद्यालयसभकेँ उपलब्ध करबैत अइछ।

शिक्षाविद् गुरु सुवेदी कहलैन जे विद्यालय नक्कली विद्यार्थी दर्ता करैत छात्रवृत्ति, नास्ता सहित छै–सातटा शीर्षकमे सरकारसँ प्राप्त नगदक दुरुपयोग क रहल अइछ। ओ कहलैन जे विद्यालय शिक्षा व्यवस्थापन सूचना प्रणाली (एसईएमआईएस)मे नक्कली विवरण राइख नगद निकासा करब एक प्रकारक भ्रष्टाचार छी, आ एहि मामिलामे संलग्न व्यक्तिसभकेँ कारबारी होएबाक चाही।

मुख्यमन्त्री सिंह कहलैन “नक्कली विद्यार्थी देखाकए सरकारी साधनस्रोतक दुरुपयोग गम्भीर विषय छी, आ एकर नियन्त्रण आ नियमन लेल प्रदेश शिक्षा निर्देशक महेन्द्र महतोकेँ सम्बंधित निकायमे पत्राचार करबाक निर्देशन देलौँ।”

एहि क्रममे मुख्यमन्त्री सिंह हङ्सपुर नगरपालिका–८ झटियाहीस्थित श्री मिथिला तिलक नन्द कुमारी कार्की माध्यमिक विद्यालयक सेहो अनुगमन कएलैन। ओ कहलैन जे विद्यार्थी संख्या बेसी होइतो एहेन माध्यमिक विद्यालयमे शौचालय जकाँ आधारभूत संरचनाक अभाव दुःखद अइछ, आ तत्काल व्यवस्थापन लेल नगर उपप्रमुख दुर्गीदेवी मण्डलकेँ ध्यानाकर्षण करौलैन।

उपप्रमुख मण्डल जनौलैन जे शौचालय निर्माण लेल आवश्यक नगद निकासा भ चुकल अइछ आ एहि आर्थिक वर्षमे निर्माण कएल जाएत।

मधेश प्रदेशक शिक्षा तथा संस्कृति मन्त्रालय एक महिना पूर्व प्रदेशक १३६ टा पालिकाकेँ पत्राचार क सामुदायिक विद्यालयसभमे शिक्षण प्रणालीमे सुधार अनबाक सुझावसँ ध्यानाकर्षण कएल गेल छल।

सम्बन्धित समाचार

एसिसी पुरुष क्रिकेटः नेपालद्वारा सिङ्गापुर पराजित
एसिसी पुरुष क्रिकेटः नेपालद्वारा सिङ्गापुर पराजित
  • २०८२ बैशाख ३०, २१: ०७

काठमाण्डू : एसिसी पुरुष यु–१६ पूर्वी क्षेत्रीय क्रिकेट प्रतियोगितामे नेपाल सिङ्गापुरकेँ पराजित करैत सुखद सुरूआत कएलक अइछ। मलेसियाक युकेएम ओभल...

‘भिजिट भिसा’ प्रकरणपर पाँच दिनमे बनत छानबिन संयन्त्र : मुख्य सचेतक बर्तौला
‘भिजिट भिसा’ प्रकरणपर पाँच दिनमे बनत छानबिन संयन्त्र : मुख्य सचेतक बर्तौला
  • २०८२ बैशाख ३०, २१: ०७

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क मुख्य सचेतक महेश बर्तौला ‘भिजिट भिसा’ प्रकरणक सम्बन्धमे सत्तापक्ष आ प्रमुख प्रतिपक्षक बीच...

विनियोजन विधेयकअन्तर्गत विभिन्न मन्त्रालयका शीर्षकमाथि सांसदहरु बोल्ने क्रम सकियो
विनियोजन विधेयकअन्तर्गत विभिन्न मन्त्रालयका शीर्षकमाथि सांसदहरु बोल्ने क्रम सकियो
  • २०८२ बैशाख ३०, २१: ०७

काठमाडौं : प्रतिनिधिसभामा विनियोजन विधेयक, २०८२ अन्तर्गत विभिन्न मन्त्रालयका विभिन्न शीर्षकहरुमाथि सदस्यहरुले बोल्ने क्रम आजदेखि सकिएको छ । सभाको आजको बैठकबाट...