
काठमाण्डू : एसिसी पुरुष यु–१६ पूर्वी क्षेत्रीय क्रिकेट प्रतियोगितामे नेपाल सिङ्गापुरकेँ पराजित करैत सुखद सुरूआत कएलक अइछ। मलेसियाक युकेएम ओभल क्रिकेट मैदानमे सम्पन्न खेलमे नेपाल सिङ्गापुरपर छ विकेटसँ जीत हासिल कएलक अइछ।
एक सओ उनचालीस रनके लक्ष्यकेँ पछुवाबैत नेपाल ३३.३ ओभरमे चाइर विकेटमे लक्ष्य पूरा कएलक। नेपालक ओपनर प्रसिद्ध जैसी सबसँ बेसी ५५ रन बनेलक। ओ ९७ बलमे पाँच टा चौका माइर क ५५ रन जोडलैन। रौनक श्रीवास्तव ४० रनके योगदान देलैन।
सिङ्गापुरक दिससँ आकाश तेजा तीन विकेट आ युभान पाण्डे एक विकेट लेलेक।
ताहिसँ पहिने टस जीतकए पहिने ब्याटिंग करबाक निर्णय लेल सिङ्गापुर ३६.१ ओभरमे सबटा विकेट गुमाकए एक सओ अठतीस रनके योगफल बनौलक। सिङ्गापुरक कप्तान रियन नायक सबसँ बेसी ५३ रन बनौलैन। ओपनर आहान भुधानभाम ३८ रन आ रोशन अरुन ११ रन जोड़लैन।
नेपालक कप्तान विपिन शर्मा चाइर विकेट सचिन भट्ट तीन विकेट, शुभम खनाल आ अभय यादव एक–एक विकेट लेलक।
एहि जीतसँ नेपाल दू अंक प्राप्त कएलक अइछ। आब नेपाल अपन दोसर खेल इएह अखार १० गते जापानक विरुद्ध खेलत।
एसियाली क्रिकेट परिषद् (एसिसी)क वार्षिक कार्यतालिकाअनुसार संचालन भेल एहि प्रतियोगितामे कुल १० टा टोलिक सहभागिता छै। नेपाल समूह ‘ए’मे छै जाहिमे सिङ्गापुर, इण्डोनेसिया, भुटान आ जापान सेहो छैथ। समूह ‘बी’मे आयोजक मलेसिया, हङकङ, माल्दिभ्स, थाइल्याण्ड आ म्यानमार अइछ।
काठमाडौं : नेकपा एमालेका अध्यक्ष एवं निवर्तमान प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीले राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलले विघटित प्रतिनिधि सभा पुनर्स्थापना गर्नुपर्ने बताएका...
काठमाडौं : आगामी मंसिर १ गतेदेखि सर्वोच्च अदालत पूर्णरुपमा सञ्चालनमा आउने भएको छ । गत भदौ २४ गतेको जेनजी आन्दोलनमा आगजनी...
काठमाडौं : नेपाली कांग्रेसका नेता डा. शेखर कोइरालाले परिवर्तित राजनीतिक परिस्थितिमा पार्टीभित्र एकता र जिम्मेवार सहकार्य अपरिहार्य भएको बताएका छन्।...