
जनकपुरधाम : प्रमुख प्रतिपक्षी दलके विरोधसँ मधेश प्रदेशसभाक आइ दोसर दिनक बैसार सेहो सुरू भेलाक किछु समयमे स्थगित कएल गेल अइछ।
आइ दिनमे बैसार सुरू होइते प्रतिपक्षी दलक सदस्यसभ विरोध कएने छल। तकरा बाद सभामुख रामचन्द्र मण्डल नेकपा (माओवादी केन्द्र) क जवाहरलाल कुशवाहाकेँ बाजै लेल समय देलैन। कुशवाहा अर्थमन्त्री त्रुटिपूर्ण बजेट आइन क बहुमतसँ पास कएल गेल कहैत अर्थमन्त्री सुनीलप्रसाद साहक राजीनामे माङ्गलैन। ओ अर्थमन्त्रीक राजीनामा नै आबैधैर सदनमे अवरोध जारी रहत बतौलैन।
तरक बाद नेपाली कांग्रेसक प्रमुख सचेतक कुमारकान्त झा प्रतिपक्षीके प्रतिवाद केलैन। सर्वदलीय बैसारमे नै आबयके आ सदनमे अवरोध जारी राखबाक काज गलत भेल हुनकर कहब छल।
तकर बाद सभामुख मण्डल प्रदेशसभा बैसार अगला सूचनाक नै प्रकाशित भेलाधैर स्थगित भेल घोषणा केलैन।
प्रतिपक्षी दलसभ दू दिनसँ सभामुखद्वारा बजाएल गेल सर्वदलीय बैसारकेँ सेहो बहिष्कार करैत आइब रहल अइछ।
जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपाल, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र), नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी), नेपाल सङ्घीय समाजवादी आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक प्रदेशसभा सदस्यसभ बैसार अवरुद्ध करैत आइब रहल छैथ।
काठमाडौं । प्रतिनिधिसभाको बैठक आज दिउँसो १ बजे बस्ने भएको छ। संघीय संसद सचिवालयका अनुसार बैठकमा आर्थिक वर्ष २०८३/०८४ को...
काठमाडौं : नेपाल राष्ट्र बैंकले आज (मंगलबार) का लागि विदेशी मुद्राको विनिमयदर निर्धारण गरेको छ। राष्ट्र बैंकका अनुसार आज अमेरिकी...
काठमाडौं : जल तथा मौसम विज्ञान विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखाले हाल नेपालको मौसम प्रणालीमा उपल्लो वायुमण्डलमा रहेको पश्चिमी न्यूनचापीय रेखाको...