महेन्द्रनगर : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह जनकपुरधाममे रामजानकी अन्तर्राष्ट्रिय बहुउद्देश्यीय रङ्गशाला बनेबाक लेल विस्तृत आयोजना प्रतिवेदन (डिपिआर) तैयार भ रहल बताैलैन अइछ ।
आइसँ जनकपुरधाममे शुरू भेल ‘जय ट्रफी मेन्स एलाइट कप’के उद्घाटन कार्यक्रममे मुख्यमन्त्री सिंह सोमदिन राष्ट्रिय खेलकुद परिषद् आ गुठी संस्थानसङ प्रदेश सरकार खेल मैदानके लेल सम्झौता करबाक बताैलैन । रङ्गशाला निर्माणस्थलके जमिन सरोकारवाला निकायसँ सहमतिअनुसार मालपोतसँ पास भेल लगले प्रदेशस्तरीय मन्त्रिपरिषद्सँ निर्णय क प्रतिवेदन सङ्घीय सरकारसमक्ष पेस कएल जेबाक ओ उल्लेख केलैन ।
करिब सात साल पहिने भारत सरकारक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी जनकपुरधामक विकाशके लेल रु एक अरब देबाक घोषणा कएल गेल टका हालधैर प्रयोग नै भेलाक कारण ओइ टकाकेँ रङ्गशाला निर्माणमे लगाएब मुख्यमन्त्री सिंह जानकारी देलैन अइछ । बाँकी टका प्रदेश सरकार लगानी करत ओ बताैलैन ।
भारत सरकारद्वारा घोषणा कएल टका अनबाक लेल प्रदेशस्तरीय मन्त्रिपरिषद्सँ निर्णय क केन्द्रमे पठाएल जेबाक कहैत मुख्यमन्त्री सिंह केन्द्र सरकार स्वीकृत क भारतीय दूतावासमे पठाएल जाएत आ दूतावासद्वारा स्वीकृति भेलाक बाद मात्र बोलपत्र आह्वान भ सकबाक जानकारी देलैन अइछ । किछ प्राविधिक त्रुटिके कारण एखनधैर बोलपत्र आह्वान नै भेल ओ उल्लेख केलैन ।
गुठी संस्थान राष्ट्रिय खेलकुद परिषद्सङ सम्झौता कएल अवस्थामे प्रदेश सरकारसङे जमीन नै भेलाक कारण टिप्पणी नै उठाएल गेल मुख्यमन्त्री सिंह बताैलैन । ओ रङ्गशालाक लेल दू अरब ५० करोड़ टकासँ तीन अरब टकाधैर खर्च होबाक अनुमानसहित बोलपत्र आह्वान करबाक जानकारी देलैन अइछ ।
जय ट्रफी उद्घाटन कार्यक्रममे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक प्रमुख मनोजकुमार साह, मटिहानी नगरपालिकाक प्रमुख हरिप्रसाद मण्डल, नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान)के उपाध्यक्ष रोशन सिंह, सचिव पारस खड्का, धनुषा क्रिकेट सङ्घके अध्यक्ष गुड्डु पाण्डेय, विभिन्न राजनीतिक दलके प्रतिनितिधिलगायत खेल प्रेमीसभ उपस्थित छलैथ ।
काठमाडौं : परराष्ट्रमन्त्री डा आरजु राणा देउवाले परराष्ट्र मन्त्रालयले कूटनीतिक सक्रियताका साथ ‘इङ्गेजमेन्ट’ बढाइएको र यसबाट देशको परराष्ट्र सम्बन्धमा राम्रै परिणाम...
काठमाडौंः नेपाली कांग्रेसले केन्द्रीय कार्यसमिति बैठक बोलाएको छ । ९ महिनादेखि केन्द्रीय समितिको बैठक नगरेको कांग्रेसले असार १५ गतेका लागि...
काठमाडौंः थाइल्यान्डको फुकेट टापुबाट नयाँदिल्ली जाने एयर इन्डियाको उडानमा बमको खतरापछि उडान भरेको केही समयपछि शुक्रबार आपत्कालीन अवतरण गर्न बाध्य...