‘पोखरा अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ यथाशीघ्र नियमित उड़ान शुरू हएत – Naya Bikalpa
January 24, 2025, Friday

‘पोखरा अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ यथाशीघ्र नियमित उड़ान शुरू हएत

गण्डकी : संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे पोखरा अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ किछ महिनाभितर नियमित उड़ान शुरू होबाक बताैलैन अइछ ।

‘सुनौलो नेपाल अनलाइन प्राइभेट लिमिटेड’द्वारा आइ पोखरामे आयोजित ‘गण्डकीके पर्यटन आ अर्थतन्त्रके उड़ान’ विषयक अन्तरसंवाद कार्यक्रममे ओ राष्ट्रिय ध्वजाबहाक हिमालयन एयरलाइन्स पोखरा–ल्वासा उड़ानके तैयारी क रहल बताैलैन ।

“हिमालयन एयरलाइन्स किछ महिनाभितरे उड़ान शुरू क रहल छै, ताहि लेल स्वीकृति लेबाक प्रक्रियाक अन्तिम चरणमे छै, नेपाल एयरलाइन्सकेँ सेहो दोसर उड़ान कटौती क भेलोपर पोखरासँ अन्तर्राष्ट्रिय गन्तव्यमे उड़ान करबाक लेल सरकारसँ आग्रह अइछ”, मन्त्री पाण्डे कहलैन । भारतसहित अन्य देशके सेहो पोखरासँ अन्तर्राष्ट्रिय उड़ान सेवा शुरू करबाक लेल सरकार पहल क रहल ओ बताैलैन ।

हाले भारतके नागरिक उड्डयनमन्त्री आ चीनके राजदुतसङ भेल भेटघाटमे ओइ विषयमे गम्भीरतासँ बातचित कएल गेल पाण्डे जानकारी देलैन अइछ । पोखरा अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलके भविष्य उज्ज्वल भेल उल्लेख करैत ओ विमानस्थल सञ्चालन नै हेतै कहिक निराशा छिटैबला काम नै करबाक विचार व्यक्त कएलैन ।

“पचास सालके देखैत विमानस्थल निर्माण कएल गेल अइछ, निराश हेबाक कोनो कारणेँ नै छै, विमानस्थल सञ्चालन करब सम्भव छै आ हेतै”, मन्त्री पाण्डे कहलैन, “पोखरा देशक पर्यटकीय केन्द्र भेलासँ विमानस्थलसँ नियमित अन्तर्राष्ट्रिय होएत तँ अर्थतन्त्र सबल होएत, सङे पर्यटन प्रवर्द्धन सेहो होएत।” चीनके विभिन्न गन्तव्यसँ चार्टर उड़ान भेलाक बाद विमानस्थलके प्राविधिक पक्षमे रहल आशङ्का सेहो हटल ओ बताैलैन ।

सम्बन्धित समाचार

काठमाडौँ उपत्यकाको तापक्रम क्रमशः बढ्दो
काठमाडौँ उपत्यकाको तापक्रम क्रमशः बढ्दो
  • २०८१ पुष २६, २०: ३९

काठमाडौं : हाल देशको पश्चिमी भू–भागमा पश्चिमी न्यून चापीय प्रणालीको प्रभाव रहेको छ । गण्डकी, कर्णाली र सुदूरपश्चिम प्रदेशका पहाडी...

बाँध मर्मतको काम अन्तिम चरणमा
बाँध मर्मतको काम अन्तिम चरणमा
  • २०८१ पुष २६, २०: ३९

राैतहट : राजदेवी नगरपालिकास्थित बागमती नदीमा भत्केको बाँध मर्मत गर्ने काम अन्तिम चरणमा पुगेको छ । नगरपालिकाका प्रमुख भिखारी यादव,...

महाभारतमा आगलागी : सेना परिचालन, पर्यटकीय क्षेत्रमा जान रोक
महाभारतमा आगलागी : सेना परिचालन, पर्यटकीय क्षेत्रमा जान रोक
  • २०८१ पुष २६, २०: ३९

काभ्रे : काभ्रेको दक्षिणी क्षेत्रस्थित महाभारत पर्वतशृंखलाको सामुदायिक वनमा मंगलबार दिउँसोदेखि सुरू भएको आगलागी अझै नियन्त्रणमा आउन सकेको छैन। जिल्लास्थित...