झापामे सीमास्तम्भ मर्मत कएल जा रहल – Naya Bikalpa
January 24, 2025, Friday

झापामे सीमास्तम्भ मर्मत कएल जा रहल

झापा : झापामे नेपाल–भारत अन्तर्राष्ट्रिय सीमास्तम्भ मर्मत कार्य शुरू भेल अइछ ।

नेपाल–भारत ‘बाउन्ड्री वर्किङ ग्रुप’के निर्णानुसार नेपालकदिससँ मर्मतसम्भार कएल जाएबला बिजोरा अंकके सीमास्तम्भ मर्मत शुरू कएल गेल सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल नम्बर २ गण, झापाके गणपति सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक कविन्द्र राई जानकारी देलैन अइछ । मेचीनगनर नगरपालिका–१५ सिसुवाडाँगीस्थित ‘छोटका सीमास्तम्भ’ नं ९५÷१२सँ मर्मतसम्भार कार्य शुरू भेल ओ बताैलैन ।

झापामे भारतसङ नेपालक सीमा जोडाएल एक सओ ४४ दशमलव दू किलोमिटर क्षेत्रअन्तर्गत एक सओ सात सीमास्तम्भ मर्मतसम्भार कएल जाएत। सशस्त्र प्रहरीसङे जिला प्रशासन कार्यालय, नापी विभाग, स्थानीय जनप्रतिनिधि, भारतीय सीमा सुरक्षा बल (एसएसबी), स्थानीयवासीके उपस्थितिमे सीमास्तम्भ मर्मत शुरू कएल गेल अइछ ।

सीमा क्षेत्रके सीमास्तम्भमध्ये सन् २०१४ के बादमे निर्माण भेल बिजोरा अंकके सीमास्तम्भ सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल आ जोरा अंकके स्तम्भ भारतीय सीमा सुरक्षा बल मर्मतसम्भार करबाक निर्णयानुसार वितल वर्षसँ दुनुदिस सीमास्तम्भ मर्मत काज भ होइत आइब रहल अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

देश के राजनीतिक अवस्था सहज नाइ है : अध्यक्ष प्रचण्ड
देश के राजनीतिक अवस्था सहज नाइ है : अध्यक्ष प्रचण्ड
  • २०८१ पुष २६, २०: ४१

कर्णाली : नेकपा (माओवादी केन्द्र)के अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ’प्रचण्ड’ देश के राजनीतिक अवस्था सहज नभएक बताइन है । आज सुर्खेत...

विकाशकेँ केन्द्रित क काज करबाक लेल जनप्रतिनिधिकेँ राष्ट्रपतिक आग्रह
विकाशकेँ केन्द्रित क काज करबाक लेल जनप्रतिनिधिकेँ राष्ट्रपतिक आग्रह
  • २०८१ पुष २६, २०: ४१

काठमाण्डू : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल संविधान आ लोकतान्त्रिक शासन प्रणालीके मेरुदण्डक रुपमे रहल निकायसभकेँ जनता आ विकाशकेँ केन्द्रमे राइख काज...

पेट्रोलियम पदार्थसँ ३७ अर्ब राजस्व सङ्कलन
पेट्रोलियम पदार्थसँ ३७ अर्ब राजस्व सङ्कलन
  • २०८१ पुष २६, २०: ४१

वीरगञ्ज : चालू आर्थिक वर्षक पहिल छ महिनामे वीरगञ्जसँ रु. ८७ अरब ३२ करोड़ ३९ लाख ४० हजारक डिजेल, पेट्रोल,...