धनुषा : राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)क कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झाकेँ नेपाल पत्रकार महासङ्घ धनुषाद्वारा आइ जनकपुरधाममे ‘उमा सिंह राष्ट्रिय पत्रकारिता सम्मान’ प्रदान कएल गेल अइछ ।
सएह समारोहमे नेपाल पत्रकार महासङ्घक अध्यक्ष निर्मला शर्मा आ नेपाल पत्रकार महासङ्घ धनुषाक पूर्वअध्यक्ष उमेश साह सेहो सम्मानित भेल छैथ । अध्यक्ष शर्माक प्रमुख आतिथ्यमे महावीर युवा कमिटीद्वारा ११ हजार टका सहित पत्रकार साहकेँ सम्मान कएल गेल ।
ओहि अवसरपर राससक कार्यकारी अध्यक्ष एवं नेपाल पत्रकार महासङ्घक पूर्वअध्यक्ष झा सहिद पत्रकार उमा सिंह हत्याक पुनः छानबिन होएबाक चाही कहलैन । सङे अध्यक्ष झा पत्रकारक हकहित एवं सुरक्षामे राज्यक निकायसभकेँ गम्भीर रहबाक लेल कहलैन ।
कार्यक्रम नेपाल पत्रकार महासङ्घ धनुषाक शाखाका अध्यक्ष पुरन साहके अध्यक्षतामे भेल छल ।
काठमाडौं : हाल देशको पश्चिमी भू–भागमा पश्चिमी न्यून चापीय प्रणालीको प्रभाव रहेको छ । गण्डकी, कर्णाली र सुदूरपश्चिम प्रदेशका पहाडी...
राैतहट : राजदेवी नगरपालिकास्थित बागमती नदीमा भत्केको बाँध मर्मत गर्ने काम अन्तिम चरणमा पुगेको छ । नगरपालिकाका प्रमुख भिखारी यादव,...
काभ्रे : काभ्रेको दक्षिणी क्षेत्रस्थित महाभारत पर्वतशृंखलाको सामुदायिक वनमा मंगलबार दिउँसोदेखि सुरू भएको आगलागी अझै नियन्त्रणमा आउन सकेको छैन। जिल्लास्थित...