राष्ट्रनिर्माता पृथ्वीनारायण शाहके पूर्णकदके सालिक अनावरण – Naya Bikalpa
January 24, 2025, Friday

राष्ट्रनिर्माता पृथ्वीनारायण शाहके पूर्णकदके सालिक अनावरण

इलाम : राष्ट्रिय एकता दिवस तथा पृथ्वीजयन्तीके अवसरमे एत पृथ्वीनारायण शाहके पूर्णकदके सालिक अनावरण कएल गेल अइछ । जिलाक रणशार्दूल गण गढीथुम्का ब्यारेक परिसरमे नवनिर्मित शाहके पूर्णकदके सालिक अनावरण कएल गेल अइछ ।

सालिकके २१ नं बाहिनी अड्डाके बाहिनीपति सहायक रथी युवधिरमानसिंह अधिकारी, प्रमुख जिला अधिकारी कल्पना श्रेष्ठ, इतिहासविद् युद्धप्रसाद वैद्य आ रणशार्दूल गणके गणपति प्रह्लाद घले संयुक्त रूपमे ओइ सालिक अनावरण केलैन । सएह गणमे कार्यरत जमदार कुलमान सोतीमगर सालिक निर्माण केने छैथ ।

जिलाके विभिन्न राजनीतिक दलक प्रतिनिधि, विभिन्न सरकारी तथा गैरसरकारी कार्यालयक कर्मचारी, सुरक्षा निकायक प्रतिनिधि, विद्यालयक शिक्षक तथा विद्यार्थीसहित तीन सओ ५० व्यक्तिके समूहमे इलाम चोकबजारमे भेला भ बजारस्थित माईस्थान मन्दिर–भ्यू टावर होइत गढीथुम्का ब्यारेकमे पहुँच क सालिक अनावरण कएल गेल छल ।

कार्यक्रममे जिलाके इतिहासविद् वैद्यसहित अन्य वक्ता नेपाल एकीकरणमे पृथ्वीनारायण शाहके योगदानक विषयमे चर्चा केने छलाह । निसान पदमार्गमे सहयोग देलक कहैत हुनका सम्मानसेहो कएल गेल छल ।

सम्बन्धित समाचार

काठमाडौँ उपत्यकाको तापक्रम क्रमशः बढ्दो
काठमाडौँ उपत्यकाको तापक्रम क्रमशः बढ्दो
  • २०८१ पुष २७, २०: ४६

काठमाडौं : हाल देशको पश्चिमी भू–भागमा पश्चिमी न्यून चापीय प्रणालीको प्रभाव रहेको छ । गण्डकी, कर्णाली र सुदूरपश्चिम प्रदेशका पहाडी...

बाँध मर्मतको काम अन्तिम चरणमा
बाँध मर्मतको काम अन्तिम चरणमा
  • २०८१ पुष २७, २०: ४६

राैतहट : राजदेवी नगरपालिकास्थित बागमती नदीमा भत्केको बाँध मर्मत गर्ने काम अन्तिम चरणमा पुगेको छ । नगरपालिकाका प्रमुख भिखारी यादव,...

महाभारतमा आगलागी : सेना परिचालन, पर्यटकीय क्षेत्रमा जान रोक
महाभारतमा आगलागी : सेना परिचालन, पर्यटकीय क्षेत्रमा जान रोक
  • २०८१ पुष २७, २०: ४६

काभ्रे : काभ्रेको दक्षिणी क्षेत्रस्थित महाभारत पर्वतशृंखलाको सामुदायिक वनमा मंगलबार दिउँसोदेखि सुरू भएको आगलागी अझै नियन्त्रणमा आउन सकेको छैन। जिल्लास्थित...