
काठमाण्डू : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल संविधान आ लोकतान्त्रिक शासन प्रणालीके मेरुदण्डक रुपमे रहल निकायसभकेँ जनता आ विकाशकेँ केन्द्रमे राइख काज करबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।
जिला समन्वय समितिके प्रमुख एवम् उपप्रमुख आ जिला समन्वय समिति महासङ्घ नेपालक पदाधिकारीसङ आइ राष्ट्रपति भवनमे भेल भेटघाट कार्यक्रममे ओ उक्त बात बताैलैन अइछ । राष्ट्रपति पौडेल कहलैथ “विभिन्न कठिनाइके बादो तीनु तहके सरकार, नीजि क्षेत्र, गैरसरकरी क्षेत्रके काममे समन्वय आ अनुगमन करैबला महत्वपूर्ण जिम्मेवारी निर्वाह कइए रहल छै, संविधान आ लोकतान्त्रिक शासन प्रणालीके मेरुदण्ड निकायसभ जनता आ विकाशकेँ केन्द्रमे राइख क काज होबाक चाही से हमरा लागैत अइछ।”
ओ बजेट, योजना आ कार्यादेशअनुसार काज भेल नै भेल अनुगमन आ समन्वय करैबला काजमे अपन भूमिका आ क्रियाशीलता बढ़ाबैत राज्यके धीयान देबाक लेल सेहो आग्रह केलैन । राष्ट्रपति पौडेल कहलैन, “गाम, नगर आ वाडमे योजना, प्रक्रिया, कार्यादेश अनुसार काज भेल नै भेल बारेमे कनि धीयान आ सजग भ क्रियाशीलता बढ़ाएब तँ विकाशके काम सेहो आगू बढतै, बजेटके सही सदुरुपयोग हएतै । अइसँ राष्ट्रके विकाशमे योगदान हएत ।”
ओ अपन भूमिकाकेँ अपने क्रियाशील आ जागरुक भ प्रभावकारिता बढ़नेबाक लेल सेहो समन्वय समितिक प्रमुख एवम् उपप्रमुखकेँ आग्रह केलैन ।
संविधान सङ्घ, प्रदेश आ स्थानीय सरकारके व्यवस्था कएल कहैत राष्ट्रपति पौडेल गाउँपालिके आ नगरपालिकाबीच समन्वय तथा विकाश निर्माणसम्बन्धी काममे सन्तुलन कायम क अनुगमन करैत महत्वपूर्ण जिम्मेवारीसहित जिला समन्वय समितिके व्यवस्था कएल गेल उल्लेख केलैन । राष्ट्रपति पौडेल महासङ्घके ३०म् स्थापना दिवस कार्यक्रमके सफलताके शुभकामना व्यक्त केलैन ।
धनुषा : मिथिला बिहारी नगरपालिकाका–१ का वडा अध्यक्ष विन्देश्वर यादवको गोली प्रहार गरी हत्या गरिएको छ । आज साँझ अपरिचित...
काठमाडौं : नेपाली सेनाले पाँच जना नेपाल प्रहरीका सकल दर्जालाइ उद्धार गरी थप उपचारका लागि सुर्खेतस्थित कर्णाली प्रदेश अस्पतालमा पुर्याएको...
काठमाडौं । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) भित्र सभापति रवि लामिछानेका प्रियपात्रमध्ये एक थिए सन्तोष परियार । तर, रविलाई नै थाहा...