जनकपुर अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र महोत्सव फागुन १६ सँ – Naya Bikalpa
June 13, 2025, Friday      Epaper

जनकपुर अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र महोत्सव फागुन १६ सँ

पाटन : नेपाली चलचित्र क्षेत्रके अन्तरराष्ट्रियकरण, बजार प्रवर्द्धन, सम्भावना आ अवसरक खोजी करबाक उद्देश्यसँ प्रथम जनकपुर अन्तरराष्ट्रिय चलचित्र महोत्सव हएत । संवाद फाउण्डेशनद्वारा आइ ललितपुरमे आयोजित एकटा कार्यक्रममे अगिला फागुन १६सँ १८ धैर प्रथम चलचित्र महोत्सव आयोजन करबाक जानकारी देल गेल अइछ ।

कार्यक्रममे चलचित्र विकाश बोर्डक अध्यक्ष दिनेश डिसी “महोत्सवसँ नेपाली आ मिथिला चलचित्रकेँ विश्वमे बजारीकरण करबाक महत्वपूर्ण माध्यम बनत। जनकपुर मिथिलाकेँ प्रतिनिधित्व करैत अइछ, महोत्सव एकरा उजागर करत। विश्वके १३७ सँ बेसी देशक लोक अपन चलचित्रक बारेमे जानकारी पाओत” ओ कहलैथ।

अध्यक्ष डिसी कहलैथ जे पैसा कमाइ उद्देश्यसँ महोत्सव करब उचित नै छी, बल्कि एहन अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र महोत्सवकेँ दोसर क्षेत्रके बजेट काटिके सेहो सहयोग करबाक चाही।

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) क कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा नेपाली सिनेमा निर्माणके प्रक्रियामे बदलाव होबापर जोड़ देलैन । “नेपाली सिनेमा कताै ने कताै एकाङ्गी तँ नै बइन गेल ? हमरासभके लगैत अइछ, हम फरक भूगोल, फरक विषयके चित्रण करएबला प्रचलनके अभाव महसुस करैत छी । स्थानीय परिवेशके बातकेँ हमरासभ सिनेमामे देखाए नै सकल छी, आश करी, जनकपुरमे होएबला ई कार्यक्रममे नविनता देखाएत”, ओ कहलैन ।

कार्यकारी अध्यक्ष झा विश्वास व्यक्त केलैथ जे महोत्सव नेपाली चलचित्र निर्माताकेँ स्थानिय कथा खोजबाक लेल प्रेरित करत, आ भविष्यमे नेपाली सिनेमाकेँ टिकाउ आ अन्तर्राष्ट्रियकरण करबाक दिशामे सहयोग करत।

अभिनेत्री रेखा थापा “मिथिला सभ्यता, कला आ महिलासभक जननी छी, आ महोत्सव एकर महत्वकेँ उजागर करत। मधेशक कलासँ गहिर सम्बन्ध अइछ। पछिला समय अपन संस्कृति आ भाषापर आक्रमण भ रहल छै, जकरा चिरबाक आवश्यकता छै” ओ कहलैथ।

वरिष्ठ निर्माता माधव वाग्ले “मिथिला सभ्यताके चित्रण करब बहुत महँग पड़ैत छै, जइ कारण मिथिला क्षेत्रके कथाकेँ समेट चलचित्र निर्माणमे कठिनाइ होइत छै” कहलैथ । चलचित्र निर्देशक सुवर्ण थापा महोत्सवकेँ हिमाल, पहाड़ आ तराईकेँ जोड़बाक सङे बाल-बालिका, युवा आ महिला सबकेँ समेटबाक आग्रह केलैथ।

जेआइएफएफ नेपाली चलचित्रक अन्तरराष्ट्रियकरण, युवा फिल्मकर्मीकेँ उत्प्रेरित करबाक आ सांस्कृतिक विविधताकेँ प्रवर्द्धन करबाक उद्देश्यसँ महोत्सव आयोजन करैत अइछ, संवाद फाउन्डेशनके प्रमुख कुमार भास्कर जानकारी देलैथ। ओ कहलैथ “नेपालमे फिल्मके महत्व बुझेबाक, नेपाली चलचित्रकेँ विश्वभर प्रस्तुत करबाक, नेपाली युवाकेँ प्रेरणा आ अवसर देबाक सङ नेपालकेँ अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र मंचमे स्थापित करबाक अभियानक हिस्सा छी।”

सम्बन्धित समाचार

कूटनीतिक ‘इंगेजमेन्ट’ बढाएका छौं, परिणाम राम्रै निस्किन्छ : परराष्ट्रमन्त्री
कूटनीतिक ‘इंगेजमेन्ट’ बढाएका छौं, परिणाम राम्रै निस्किन्छ : परराष्ट्रमन्त्री
  • २०८१ माघ २२, २०: ५२

काठमाडौं : परराष्ट्रमन्त्री डा आरजु राणा देउवाले परराष्ट्र मन्त्रालयले कूटनीतिक सक्रियताका साथ ‘इङ्गेजमेन्ट’ बढाइएको र यसबाट देशको परराष्ट्र सम्बन्धमा राम्रै परिणाम...

कांग्रेसको केन्द्रीय कार्यसमिति बैठक असार १५ गते बस्ने
कांग्रेसको केन्द्रीय कार्यसमिति बैठक असार १५ गते बस्ने
  • २०८१ माघ २२, २०: ५२

काठमाडौंः नेपाली कांग्रेसले केन्द्रीय कार्यसमिति बैठक बोलाएको छ । ९ महिनादेखि केन्द्रीय समितिको बैठक नगरेको कांग्रेसले असार १५ गतेका लागि...

बमको धम्कीपछि एयर इन्डियाको विमान थाइल्यान्डमै फिर्ता
बमको धम्कीपछि एयर इन्डियाको विमान थाइल्यान्डमै फिर्ता
  • २०८१ माघ २२, २०: ५२

काठमाडौंः थाइल्यान्डको फुकेट टापुबाट नयाँदिल्ली जाने एयर इन्डियाको उडानमा बमको खतरापछि उडान भरेको केही समयपछि शुक्रबार आपत्कालीन अवतरण गर्न बाध्य...