
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क मुख्य सचेतक महेश बर्तौला ‘भिजिट भिसा’ प्रकरणक सम्बन्धमे सत्तापक्ष आ प्रमुख प्रतिपक्षक बीच भेल दू बुँदीय सहमतिक प्रति सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन अइछ ।
प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक, २०८२ अन्तर्गत विभिन्न शीर्षकउपर भ रहल बातचितमे मुख्य सचेतक बर्तौला सहमतिक आधारपर सरकार किछु दिनक भीतर खोजबिन संयन्त्र गठन करबाक बतौलैन अइछ ।
ओ कहलैन, “विपक्षी दल सङ भेल समझदारी प्रति सरकार प्रतिबद्ध अइछ । एक महिनाधैर रुकएके बाते नै छै । आइसँ बेसीमे पाँच दिनके भीतरे हमसभ खोजबिन संयन्त्र बनायब । गृहमन्त्री रमेश लेखक स्वयं सदनमे आइब क एकर घोषणा करत। एहि सम्बन्धमे उच्चस्तरपर तैयारी भ रहल अइछ ।”
विगत जेठ १३ गतेसँ निरन्तर सदन अवरुद्ध भ रहल आ रास्वपा आ राप्रपाक सांसदसभक अवरोध प्रति ओ असहमति प्रकट कएलैन ।
आजुक बैसारमे एहिसँ पूर्व प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेकपा (माओवादी केन्द्र) क प्रमुख सचेतक हितराज पाण्डे कहलैन जे सहमतिनुसार सरकारद्वारा ‘भिजिट भिसा’ प्रकरणमे खोजबिन समिति गठन करबामे देरी नै होएबाक चाही ।
काठमाडौं : नेपाल राष्ट्र बैंकले बुधबारका लागि विदेशी मुद्राको विनिमयदर निर्धारण गरेको छ । राष्ट्र बैंकका अनुसार अमेरिकी डलर एकको...
काठमाडौं : हाल नेपालमा उपल्लो वायुमण्डलमा रहेको पश्चिमी न्यूनचापीय रेखा, स्थानीय वायु तथा पूर्वीय वायुको समेत आंशिक प्रभाव छ। जल...
का७माडौं : १२औं अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवसको पूर्वसन्ध्यामा नेपालस्थित भारतीय दूतावास र त्रिभुवन विश्वविद्यालयअन्तर्गत आयुर्वेद क्याम्पसको संयुक्त आयोजनामा योग अभ्यास, आयुर्वेद...