काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क मुख्य सचेतक महेश बर्तौला ‘भिजिट भिसा’ प्रकरणक सम्बन्धमे सत्तापक्ष आ प्रमुख प्रतिपक्षक बीच भेल दू बुँदीय सहमतिक प्रति सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौलैन अइछ ।
प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे विनियोजन विधेयक, २०८२ अन्तर्गत विभिन्न शीर्षकउपर भ रहल बातचितमे मुख्य सचेतक बर्तौला सहमतिक आधारपर सरकार किछु दिनक भीतर खोजबिन संयन्त्र गठन करबाक बतौलैन अइछ ।
ओ कहलैन, “विपक्षी दल सङ भेल समझदारी प्रति सरकार प्रतिबद्ध अइछ । एक महिनाधैर रुकएके बाते नै छै । आइसँ बेसीमे पाँच दिनके भीतरे हमसभ खोजबिन संयन्त्र बनायब । गृहमन्त्री रमेश लेखक स्वयं सदनमे आइब क एकर घोषणा करत। एहि सम्बन्धमे उच्चस्तरपर तैयारी भ रहल अइछ ।”
विगत जेठ १३ गतेसँ निरन्तर सदन अवरुद्ध भ रहल आ रास्वपा आ राप्रपाक सांसदसभक अवरोध प्रति ओ असहमति प्रकट कएलैन ।
आजुक बैसारमे एहिसँ पूर्व प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेकपा (माओवादी केन्द्र) क प्रमुख सचेतक हितराज पाण्डे कहलैन जे सहमतिनुसार सरकारद्वारा ‘भिजिट भिसा’ प्रकरणमे खोजबिन समिति गठन करबामे देरी नै होएबाक चाही ।
दाङ : जिल्ला क्रिकेट सङ्घं एसिसी मिजं यु–१६ इस्टर्न जोन कप त्याकूगु नेपाली टोलीया दुजः शुभम खनाल व सहायक प्रशिक्षक...
मोरङ : कोशी प्रदेशक सामाजिक विकासमन्त्री पाँचकर्ण राई मजुदरके जीवनयापनके लेल न्यूनतनम पारिश्रमिक वृद्धि करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएने अइछ ।...
महेन्द्रनगर : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह वातावरणीय असन्तुलन सबहक लेल चिन्ताक विषय भेल बताैलैन अइछ । राष्ट्रपति चुरे...