
काठमाण्डू : राष्ट्रियसभाक शून्य समयमे सांसदसभ किसानकेँ तत्काल मल उपलब्ध करेबाक लेल तथा जेष्ठ नागरिककेँ सहज रूपसँ भत्ता भेटबाक चाही से माँग कएने छैथ ।
बैसारमे सांसद गोपीबहादुर सार्की अछामी कहलैन जे प्रतिवर्ष १५ लाख मेट्रिक टन मल आवश्यक भेलाक बादो तीन लाख मेट्रिक टन मात्र उपलब्ध भ रहल छै आ पाँच लाख मेट्रिक टन मल अवैध रूपसँ आइब रहल छै, अइ विषयमे गम्भीर होबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन।
सांसद सुमित्रा विसी कहलैन जे बर्खा समाप्त भ रहल छै, तइयो रोपनी पूरा नै भेल छै आ प्रतिकिसान २५ किलो मल देबाक बात भेलाक बादो नै भेटल। अइ समस्याक स्थायी समाधानक लेल ओ सरकारसँ माँग केलैन ।
सांसद तुलसा कुमारी दाहाल मधेश प्रदेशमे अखनो कायम रहल दहेज प्रथा आ बाल विआह हटेबाक आवश्यकतापर जोड़ देलैन ।
सांसद मायाप्रसाद शर्मा जेष्ठ नागरिकसभ जाहि ठामपर रहैत छैथ, ओइ ठामसँ भत्ता लेबाक वातावरण बनेबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन।
सांसद शारदादेवी भट्ट कैलाली कारागारमे भेल घटनाप्रति खेद व्यक्त करैत कहलैन जे १४० गोटेक क्षमता भेल स्थानमे चाइर/पाँच सओ गोटेकेँ राखलासँ एहन अवस्था एलै, ताहि लेल देशभैरमे सब जेलक स्तरोन्नति करबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन।
मुलुक लोकतन्त्र र संविधानको संरक्षण र सम्बर्धन गर्नुपर्ने गम्भीर मोडमा उभिएको अवस्थामा नेपाली कांग्रेस भित्र झांगिदै गएको गुटगत तिक्तता, विशेष...
काठमाडौं : सुनसरीको कप्तानगञ्जमा भएको दुःखद् घटनालाई लिएर आमरण अनसनमा बसेका राष्ट्रिय एकता दलका अध्यक्ष विनय यादवको मागप्रति नेपाली कांग्रेसको...
काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसको आधिकारिकता विवादमा पूर्वसभापति शेर वहादुर देउवाले दायर मुद्धामा सर्वोच्च अदालतले पुनरवलोकन गर्ने निर्णय गरेसंगै कांग्रेसको राजनीति...