
महेन्द्रनगर : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह वातावरणीय असन्तुलन सबहक लेल चिन्ताक विषय भेल बताैलैन अइछ ।
राष्ट्रपति चुरे तराइ मधेश संरक्षण विकास समिति कार्यक्रम कार्यान्वयन एकाइ जनकपुरधामद्वारा आइ लालगढ़मे आयोजित प्रदेशस्तरीय स्रोत परिचालन समिति तथा प्रदेश समन्वय समितिके संयुक्त बैसारकेँ उद्घाटन करैत मुख्यमन्त्री सिंह पछिला समय नदीके सतह बढ़ैत जाएब खतराके बात रहल कहलैन ।
मौसमके प्रतिकूलता आ वातावरणीय असन्तुलनसँ प्राकृतिक प्रकोपके खतरा रहल कहैत ओ चुरे संरक्षण करब तीनु सरकारके सझिया प्रयासक आवश्यकता रहल बताैलैन । मुख्यमन्त्री सिंह कहलैन “चुरे मरुभूमिकरण नै होए ताहि लेल नदीजन्य पदार्थके वातावरणमैत्री उत्खनन् करबाक चाही । वातावरणमैत्री उत्खनन्सँ प्राप्त नदीजन्य पदार्थ बिक्री क आम्दानी वृद्धि करएमे अग्रसर होएबाक चाही ।”
सङ्घीयता कार्यान्वयन पश्चात मधेश प्रदेशमे आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे सबसँ बेसी ७१.४८ प्रतिशत बजेट खर्च भेलमे खुशी व्यक्त करैत ओ उक्त उपलब्धिक लेल प्रदेश सरकार मातहतके कर्मचारी आ सरोकारवाला सबकेँ धन्यवाद देलैन ।
काठमाडौं : भोजपुरको हतुवागढी गाउँपालिका–९, हसपुरस्थित कोप्चेबाट सुनसरीको बराहक्षेत्रतर्फ आउँदै गरेको जेटबोट दुर्घटनामा परेको छ । अरुण र दूधकोशीको संगम...
धनुषा : स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहताले धनुषाको ढल्केवरमा स्वीकृत क्रिटिकल केयर तथा ट्रमा सेन्टर निर्माणको टेन्डर प्रक्रिया अघि...
काठमाडौं : नेपाल विद्युत् प्राधिकरणले चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ को असोज महिनामा भारततर्फ ५ अर्ब ९२ करोड ५० लाख रुपैयाँ बराबरको...