
काठमाण्डू : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली, पीड़ितकेँ न्याय देबाक लेल संक्रमणकालीन न्यायकेँ निष्कर्षधैर पहुँचेबाक विषयमे सरकार जिमेवार आ संवेदनशील रहल बतौने छैथ।
प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे सांसदसभद्वारा राखल गेल प्रश्नक जवाब दैत प्रधानमन्त्री ओली संक्रमणकालीन न्यायसँ सम्बन्धित बाँकी काजसभ सम्पन्न क शान्ति प्रक्रियाकेँ निष्कर्षधैर पहुँचेबाक विषय सरकारक उच्च प्राथमिकतामे रहल स्पष्ट केलैन।
संविधानद्वारा निर्देशित शहीदसभ, बेपत्ता एवम् द्वन्द्वपीड़ितक योगदान आ बलिदानकेँ सम्मान आ कदर करबाक विषयमे सरकार दृढ़ रहल उल्लेख करैत, ओ शान्ति प्रक्रियाकेँ जतेक जल्दी निष्कर्षधैर पहुँचेबाक लेल काज भ रहल बतौलैन।
“पीड़ितकेँ न्याय देबाक विषयमे सरकार अत्यन्त जिमेवार आ संवेदनशील अइछ। द्वन्द्वपीड़ितसभसँ हमरासभ विभिन्न स्तरपर निरन्तर बातचितमे छी। शान्ति प्रक्रियाकेँ निष्कर्षधैर पहुँचेबाक विषयसभके समान रूची आ सरोकारक विषय छी,” प्रधानमन्त्री ओली कहलैन, “बेपत्ता कएल गेल व्यक्तिक खोजबिन, सत्य निरूपण तथा मेलमिलाप आयोग ऐन, २०७१ क व्यवस्था अनुसार आयोगसभ गठन भ काज प्रारम्भ भेल अइछ। हमरा विश्वास छै, आबैबला दिनमे आयोगक पदाधिकारीसभ पीड़ित पक्षसँ आपसमे बातचित क शान्ति प्रक्रियाक बाँकी काजसभ आगाँ बढ़ाएत।”
काठमाडौं : भोजपुरको हतुवागढी गाउँपालिका–९, हसपुरस्थित कोप्चेबाट सुनसरीको बराहक्षेत्रतर्फ आउँदै गरेको जेटबोट दुर्घटनामा परेको छ । अरुण र दूधकोशीको संगम...
धनुषा : स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहताले धनुषाको ढल्केवरमा स्वीकृत क्रिटिकल केयर तथा ट्रमा सेन्टर निर्माणको टेन्डर प्रक्रिया अघि...
काठमाडौं : नेपाल विद्युत् प्राधिकरणले चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ को असोज महिनामा भारततर्फ ५ अर्ब ९२ करोड ५० लाख रुपैयाँ बराबरको...