संक्रमणकालीन न्यायकेँ निष्कर्षधैर पहुँचाबए लेल सरकार जिमेवार आ संवेदनशील छै: प्रधानमन्त्री ओली – Naya Bikalpa
August 9, 2026, Sunday      Epaper

संक्रमणकालीन न्यायकेँ निष्कर्षधैर पहुँचाबए लेल सरकार जिमेवार आ संवेदनशील छै: प्रधानमन्त्री ओली

काठमाण्डू : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली, पीड़ितकेँ न्याय देबाक लेल संक्रमणकालीन न्यायकेँ निष्कर्षधैर पहुँचेबाक विषयमे सरकार जिमेवार आ संवेदनशील रहल बतौने छैथ।

प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे सांसदसभद्वारा राखल गेल प्रश्नक जवाब दैत प्रधानमन्त्री ओली संक्रमणकालीन न्यायसँ सम्बन्धित बाँकी काजसभ सम्पन्न क शान्ति प्रक्रियाकेँ निष्कर्षधैर पहुँचेबाक विषय सरकारक उच्च प्राथमिकतामे रहल स्पष्ट केलैन।

संविधानद्वारा निर्देशित शहीदसभ, बेपत्ता एवम् द्वन्द्वपीड़ितक योगदान आ बलिदानकेँ सम्मान आ कदर करबाक विषयमे सरकार दृढ़ रहल उल्लेख करैत, ओ शान्ति प्रक्रियाकेँ जतेक जल्दी निष्कर्षधैर पहुँचेबाक लेल काज भ रहल बतौलैन।

“पीड़ितकेँ न्याय देबाक विषयमे सरकार अत्यन्त जिमेवार आ संवेदनशील अइछ। द्वन्द्वपीड़ितसभसँ हमरासभ विभिन्न स्तरपर निरन्तर बातचितमे छी। शान्ति प्रक्रियाकेँ निष्कर्षधैर पहुँचेबाक विषयसभके समान रूची आ सरोकारक विषय छी,” प्रधानमन्त्री ओली कहलैन, “बेपत्ता कएल गेल व्यक्तिक खोजबिन, सत्य निरूपण तथा मेलमिलाप आयोग ऐन, २०७१ क व्यवस्था अनुसार आयोगसभ गठन भ काज प्रारम्भ भेल अइछ। हमरा विश्वास छै, आबैबला दिनमे आयोगक पदाधिकारीसभ पीड़ित पक्षसँ आपसमे बातचित क शान्ति प्रक्रियाक बाँकी काजसभ आगाँ बढ़ाएत।”

सम्बन्धित समाचार

रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
  • २०८२ श्रावण ७, २१: ५२

काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...

तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
  • २०८२ श्रावण ७, २१: ५२

कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...

गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
  • २०८२ श्रावण ७, २१: ५२

रसुवा : जिल्लाको प्रख्यात तीर्थस्थल गोसाइँकुण्डमा हरेक वर्ष जनपूर्णिमाका दिन लाग्ने मेलालाई लक्षित गरी तीव्र गतिमा तयारी थालिएको छ ।...