
काठमाण्डू : नेपाल–भारत सीमा कार्यदलक सातम् बैसार आइ नव दिल्लीमे सौहार्दपूर्ण आ मैत्रीपूर्ण वातावरणमे सम्पन्न भेल अइछ। नेपाली प्रतिनिधिमण्डलक नेतृत्व नापी विभागक महानिर्देशक प्रकाश जोशी केलैन, भारतीय प्रतिनिधि मण्डलक नेतृत्व नापी विभागक महानिर्देशक हितेश कुमार एस. मकवाना केलैन।
बैसारमे अगस्त २०१९मे देहरादूनमे आयोजित छैठम् बैसारक परिणामक कार्यान्वयनक समीक्षाक सङे ओइ सालक सेप्टेम्बरमे ओइ स्थानपर आयोजित ११म् नापी विभागक अधिकारी सम्मिलित समितिक बैसारक कार्य प्रगतिक समीक्षा कएल गेल, जानकारी परराष्ट्र मन्त्रालय देलक अइछ। बैसारमे नेपाल आ भारत सीमाक्षेत्रमे रहल सीमा स्तम्भसभके निरीक्षण आ मर्मतसम्भारसँ सम्बन्धित संयन्त्रक काजकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक लेल सर्वेक्षण आ नक्साङ्कनमे नव प्रविधि अपनेबाक सहमति बनल अइछ।
बैसार सहमतिपत्रमे हस्ताक्षरसँ पूरा भेल अइछ। दुनू पक्ष नापी विभागक अधिकारी सम्मिलित समितिक अगला बैसार आबैबला महिना नेपालमे आ सीमा कार्यदलके अगला बैसार दुनू देशकेँ अनुकूल होएबला मितिमे नेपालमे करबाक सहमति बनल मन्त्रालयद्वारा जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ।
सीमा कार्यदल नेपाल आ भारत सरकारद्वारा सन् २०१४मे गठन कएल गेल एकटा संयुक्त निकाय छी। एकरा सीमा स्तम्भसभक निर्माण, पुनःस्थापना आ मर्मत तथा अन्य प्राविधिकसँ सम्बन्धित काज करबाक कार्यादेश देल गेल अइछ।
मुलुक लोकतन्त्र र संविधानको संरक्षण र सम्बर्धन गर्नुपर्ने गम्भीर मोडमा उभिएको अवस्थामा नेपाली कांग्रेस भित्र झांगिदै गएको गुटगत तिक्तता, विशेष...
काठमाडौं : सुनसरीको कप्तानगञ्जमा भएको दुःखद् घटनालाई लिएर आमरण अनसनमा बसेका राष्ट्रिय एकता दलका अध्यक्ष विनय यादवको मागप्रति नेपाली कांग्रेसको...
काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसको आधिकारिकता विवादमा पूर्वसभापति शेर वहादुर देउवाले दायर मुद्धामा सर्वोच्च अदालतले पुनरवलोकन गर्ने निर्णय गरेसंगै कांग्रेसको राजनीति...