नेपाल–भारत सीमा कार्यदलक सातम् बैसार सम्पन्न – Naya Bikalpa
October 25, 2026, Sunday      Epaper

नेपाल–भारत सीमा कार्यदलक सातम् बैसार सम्पन्न

काठमाण्डू : नेपाल–भारत सीमा कार्यदलक सातम् बैसार आइ नव दिल्लीमे सौहार्दपूर्ण आ मैत्रीपूर्ण वातावरणमे सम्पन्न भेल अइछ। नेपाली प्रतिनिधिमण्डलक नेतृत्व नापी विभागक महानिर्देशक प्रकाश जोशी केलैन, भारतीय प्रतिनिधि मण्डलक नेतृत्व नापी विभागक महानिर्देशक हितेश कुमार एस. मकवाना केलैन।

बैसारमे अगस्त २०१९मे देहरादूनमे आयोजित छैठम् बैसारक परिणामक कार्यान्वयनक समीक्षाक सङे ओइ सालक सेप्टेम्बरमे ओइ स्थानपर आयोजित ११म् नापी विभागक अधिकारी सम्मिलित समितिक बैसारक कार्य प्रगतिक समीक्षा कएल गेल, जानकारी परराष्ट्र मन्त्रालय देलक अइछ। बैसारमे नेपाल आ भारत सीमाक्षेत्रमे रहल सीमा स्तम्भसभके निरीक्षण आ मर्मतसम्भारसँ सम्बन्धित संयन्त्रक काजकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक लेल सर्वेक्षण आ नक्साङ्कनमे नव प्रविधि अपनेबाक सहमति बनल अइछ।

बैसार सहमतिपत्रमे हस्ताक्षरसँ पूरा भेल अइछ। दुनू पक्ष नापी विभागक अधिकारी सम्मिलित समितिक अगला बैसार आबैबला महिना नेपालमे आ सीमा कार्यदलके अगला बैसार दुनू देशकेँ अनुकूल होएबला मितिमे नेपालमे करबाक सहमति बनल मन्त्रालयद्वारा जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ।

सीमा कार्यदल नेपाल आ भारत सरकारद्वारा सन् २०१४मे गठन कएल गेल एकटा संयुक्त निकाय छी। एकरा सीमा स्तम्भसभक निर्माण, पुनःस्थापना आ मर्मत तथा अन्य प्राविधिकसँ सम्बन्धित काज करबाक कार्यादेश देल गेल अइछ।

सम्बन्धित समाचार

सप्तकोशीमा जेटबोट दुर्घटना हुँदा तीन जनाको मृत्यु
सप्तकोशीमा जेटबोट दुर्घटना हुँदा तीन जनाको मृत्यु
  • २०८२ श्रावण १३, २०: ५९

काठमाडौं : भोजपुरको हतुवागढी गाउँपालिका–९, हसपुरस्थित कोप्चेबाट सुनसरीको बराहक्षेत्रतर्फ आउँदै गरेको जेटबोट दुर्घटनामा परेको छ । अरुण र दूधकोशीको संगम...

ढल्केवरमा ट्रमा सेन्टर निर्माणको प्रक्रिया अघि बढिसक्यो, शिलान्यास छिट्टै हुन्छ : स्वास्थ्यमन्त्री
ढल्केवरमा ट्रमा सेन्टर निर्माणको प्रक्रिया अघि बढिसक्यो, शिलान्यास छिट्टै हुन्छ : स्वास्थ्यमन्त्री
  • २०८२ श्रावण १३, २०: ५९

धनुषा : स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहताले धनुषाको ढल्केवरमा स्वीकृत क्रिटिकल केयर तथा ट्रमा सेन्टर निर्माणको टेन्डर प्रक्रिया अघि...

असोजमा ५ अर्ब ९२ करोडको विद्युत् निर्यात
असोजमा ५ अर्ब ९२ करोडको विद्युत् निर्यात
  • २०८२ श्रावण १३, २०: ५९

काठमाडौं : नेपाल विद्युत् प्राधिकरणले चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ को असोज महिनामा भारततर्फ ५ अर्ब ९२ करोड ५० लाख रुपैयाँ बराबरको...