सरकारे लसका देलक शिक्षा विधेयकः अध्यक्ष दाहाल – Naya Bikalpa
October 25, 2026, Sunday      Epaper

सरकारे लसका देलक शिक्षा विधेयकः अध्यक्ष दाहाल

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ विद्यालय शिक्षा विधेयक वर्तमान सरकारे टाँगिया देलक से आरोप लगौलैन अइछ ।

राष्ट्रिय सभागृहमे आइ माओवादी केन्द्र निकट अखिल (क्रान्तिकारी)द्वारा आयोजित ‘विद्यार्थीसङ कमरेड प्रचण्ड, शैक्षिक संवाद’ कार्यक्रममे अध्यक्ष दाहाल सुरूमे एमाले आ कांग्रेसक कारणे विधेयक आबैमे देरी भेल बतौलैन।

ओ कहलैन, “सरकारक सार्वजनिक शिक्षा सुधार दिस ध्यान नै छै ।”

पूर्वप्रधानमन्त्री सेहो रहल अध्यक्ष दाहाल विद्यार्थीक लिखित प्रश्नक जवाब दैत काल संसदसँ विद्यालय शिक्षा विधेयक पारित भेलापर आ उच्चस्तरीय शिक्षा सुधार आयोगक सुझाव कार्यान्वयन भेलापर वर्तमान शिक्षाक समस्या बहुत हदधैर हल भ जेतै सेहो कहलैन।

अध्यक्ष दाहाल अपन नेतृत्वक सरकार रहैत काल विश्वविद्यालयमे होएबला राजनीतिक भर्ती केन्द्रकेँ तोइड़ क मेरिटोक्रेसीमे नियुक्तिक शुरुआत कएने बतौलैन।

ओ कहलैन, “शिक्षा पूर्वाधारक सेहो पूर्वाधार छी, शिक्षामे सुधार कएने बिना अन्य क्षेत्रमे सुधार नै कएल जा सकैत छै, ताहि लेल आब दोसर क्रान्ति चाही से हम कहने छी, ओएह क्रान्ति सशस्त्र क्रान्ति छियै ।”

ओ शिक्षामे आमूल परिवर्तनक लेल सामूहिक सङ्कल्प आ प्रतिबद्धताक आवश्यकता रहल बतौलैन। अखन विद्यालय शिक्षा विधेयक पारित भ क ऐन बनलापर बहुत रास समस्या हल भ जाएत तँए जल्दीसँ जल्दी कार्यान्वयनमे ल जाएब जरूरी रहल बतौलैन।

सम्बन्धित समाचार

सप्तकोशीमा जेटबोट दुर्घटना हुँदा तीन जनाको मृत्यु
सप्तकोशीमा जेटबोट दुर्घटना हुँदा तीन जनाको मृत्यु
  • २०८२ श्रावण २२, २१: १०

काठमाडौं : भोजपुरको हतुवागढी गाउँपालिका–९, हसपुरस्थित कोप्चेबाट सुनसरीको बराहक्षेत्रतर्फ आउँदै गरेको जेटबोट दुर्घटनामा परेको छ । अरुण र दूधकोशीको संगम...

ढल्केवरमा ट्रमा सेन्टर निर्माणको प्रक्रिया अघि बढिसक्यो, शिलान्यास छिट्टै हुन्छ : स्वास्थ्यमन्त्री
ढल्केवरमा ट्रमा सेन्टर निर्माणको प्रक्रिया अघि बढिसक्यो, शिलान्यास छिट्टै हुन्छ : स्वास्थ्यमन्त्री
  • २०८२ श्रावण २२, २१: १०

धनुषा : स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहताले धनुषाको ढल्केवरमा स्वीकृत क्रिटिकल केयर तथा ट्रमा सेन्टर निर्माणको टेन्डर प्रक्रिया अघि...

असोजमा ५ अर्ब ९२ करोडको विद्युत् निर्यात
असोजमा ५ अर्ब ९२ करोडको विद्युत् निर्यात
  • २०८२ श्रावण २२, २१: १०

काठमाडौं : नेपाल विद्युत् प्राधिकरणले चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ को असोज महिनामा भारततर्फ ५ अर्ब ९२ करोड ५० लाख रुपैयाँ बराबरको...