
जनकपुर : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली मधेश प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुरक नवनिर्मित प्रशासनिक भवनक आइ एक समारोहक बीच उद्घाटन केलैन अइछ ।
मधेश प्रदेश सरकारक लगभग २३ करोड़ १० लाख ४३ हजार ४०७ टकाके लागतमे निर्माण भेल सुविधासम्पन्न ओइ भवनमे ६८ टा कोठरी रहल प्रदेश प्रहरी कार्यालय जनकपुर जनौने अइछ ।
मधेश प्रदेश सरकारक गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्रालय बहुवर्षीय योजना अन्तर्गत ई भवन निर्माण भेल अइछ ।
अइसँ पहिने अपन भवन नै भेलाक कारण मधेश प्रदेश प्रहरी भाड़ाके घरेमे रहैत छल । जनकपुरधाम वार्ड नं. ४ स्थित नवनिर्मित भवन सञ्चालनमे अएलाक बाद मधेश प्रदेश प्रहरीक कार्यक्षमतामे विस्तार होबाक विश्वास प्रदेश सरकारक अइछ ।
तत्कालीन मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादवद्वारा शिलान्यास कएल गेल ई भवन निर्माण करबाक जिमेवारी मिलल शिवालय सुवेदी जेभी तोकल गेल समयसीमा भितरे एकरा तैयार कएने छल ।
काठमाडौं : भोजपुरको हतुवागढी गाउँपालिका–९, हसपुरस्थित कोप्चेबाट सुनसरीको बराहक्षेत्रतर्फ आउँदै गरेको जेटबोट दुर्घटनामा परेको छ । अरुण र दूधकोशीको संगम...
धनुषा : स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहताले धनुषाको ढल्केवरमा स्वीकृत क्रिटिकल केयर तथा ट्रमा सेन्टर निर्माणको टेन्डर प्रक्रिया अघि...
काठमाडौं : नेपाल विद्युत् प्राधिकरणले चालु आर्थिक वर्ष २०८३/८४ को असोज महिनामा भारततर्फ ५ अर्ब ९२ करोड ५० लाख रुपैयाँ बराबरको...