
काठमाण्डू : रौतहटके रूबी कुमारी साहके हत्या आरोपी लक्ष्मण पासवानके आइ साँझ इलाजक क्रममे कीर्तिपुर बर्न अस्पतालमे मृत्यु भेल अइछ ।
आत्मदाहके प्रयास कएने पासवानके गम्भीर अवस्थामे उद्धार क इलाजक लेल कीर्तिपुरस्थित बर्न अस्पताल आनल गेल छल । हुनक इलाजक क्रममे आइ साँझ ६ बजेदिस मृत्यु भेल जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूक प्रवक्ता अपिलराज बोहरा जानकारी देलैन ।
आइ भोर आत्मदाहके प्रयास क रहल अवस्थामे भेटल छल । किछ दिन पहिने रौतहटमे सुटकेशभित्र रुवी साहके शव भेटल छल । आत्मदाह करएसँ पहिने ओइ घटनामे स्वयं संलग्न रही से स्वीकार करैत एकटा भिडियो सामाजिक सञ्जालमे पोष्ट कएने छल ।
ओएह भिडियोके कहब अनुसार साह पासवानके पूर्व प्रेमिका छल । हुनकासभके बीचमे प्रेम भेलोपर परिवारद्वारा अलग कराएल गेलाक कारण स्वयं तनावमे पड़ल बतौने छल । बितल शैनदिन रौतहटके गौर नगरपालिका–९ गौर–सिर्सिया सड़क खण्डअन्तर्गत मुड़वलबा गेट लगके सड़क किनारमे सुटकेशमे रुवी साहके शव भेटल छल ।
काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...
कपिलवस्तु । कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर किरण सिंह जंगलमा मृत अवस्थामा फेला परेका छन्। गत शुक्रबार दिउँसोदेखि सम्पर्कविहीन रहेका सिंहको शव...
कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...