
काठमाण्डू : आइ नोभेम्बर २० तारिखके दिन दुनियाभैर विभिन्न कार्यक्रमक आयोजन क विश्व बाल दिवस मनाओल जा रहल अइछ। एहि वर्षक अन्तर्राष्ट्रिय बाल दिवसक नारा : ‘भविष्यक बारेमे सुनूः बाल अधिकारक पक्षमे ठाढ़ होउ।’ रहल अइछ ।
राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोगद्वारा बाल अधिकारक संरक्षणहेतु परिणाममुखी काज करबाक लेल नागरिक, अभिभावक, राजनीतिक दल, अधिकारकर्मी आ सर्वसाधारणकेँ आग्रह कएल गेल अइछ।
दिवसक अवसरपर आयोगक प्रवक्ता डा। टीकाराम पोखरेलद्वारा जारी कएल गेल प्रेस विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ जे बाल अधिकारक संरक्षण लेल सबहक सहयोग आ सहकार्य जरूरी छै।
विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछः ‘नेपालक संविधान, कानुन आ महासन्धिमे भेल प्रावधानके पालन करब करबाएब, बाल अधिकार हननमे संलग्नके कानुनअनुसार कारबाही करबाक, बाल अधिकारक सुनिश्चितता, बालसहभागिताक सम्मान आ सुधारगृहक व्यवस्थित संचालनक सङ बालमैत्री आवश्यक काज करबाक लेल आयोग तीनु तहक सरकारकेँ आग्रह करैत अइछ।’
आयोगक अनुसार, बाल अधिकारक विषयमे नियमित अनुगमन कएल जा रहल अइछ। विज्ञप्तिमे कहल गेल जे राज्यद्वारा बालश्रमिकक उद्धार, बालश्रम निवारण कोषक स्थापना, दिवा शिशु देखरेख आ दिवा खाजा कार्यक्रम आदि सकारात्मक डेग उठाओल जा रहल अइछ।
आयोगक अध्ययन देखबैत अइछ जे नेपालमे एखनियो बालबालिकाक जन्मदर्ता आ पहिचानमे कठिनाइ, यातना, घरेलू श्रम, जोखिमपूर्ण श्रम, यौन हिंसा, शिक्षा आ स्वास्थ्यक अभाव, विद्यालय छोइड़ देनिहार बालबालिकाक संख्या, बेचबिखनक जोखिम आ बाल न्यायके अभावलगायत समस्या अइछ।
विज्ञप्तिमे आगू कहल गेल अइछ ‘कारागारमे आश्रित बालबालिकाक मानव अधिकारक उपभोगसँ वञ्चित रहनाइ, बाल सुधारगृह मानव अधिकारमैत्री स्थिति नै रहब, दिवा खाजामे मापदण्डक पालन नै हएब, परिवार तथा समाजमे बालमैत्री वातावरणके अभाव आ बाल यौन दुराचारमे संलग्नपर कानुन अनुसार कार्रवाही नै होएब आयोगक अनुगमनमे देखाओल गेल अइछ।’
विश्वस्तरपर बाल अधिकारक संरक्षणलेल कानुन निर्माण आ महासन्धि जारी कएलोपर, महासन्धि आ कानुन जे परिकल्पना कएल अछि, ओहि अनुरूप बाल अधिकारक पूर्ण प्रत्याभूति नै क पाइब रहल अइछ। नेपालक संविधान २०७२ क धारा ३९, बालबालिका सम्बन्धी ऐन २०७५ आ बाल अधिकार महासन्धि १९८९ द्वारा परिकल्पित अधिकारक पूर्ण रूपमे कार्यान्वयन नै होबाक असर नेपालक बालबालिका झेल रहल अइछ।
सन् १९५४ सँ संयुक्त राष्ट्र संघक आह्वानमे हरेक वर्ष नोभेम्बर २०क दिन विश्वभैरके बालबालिकाके अधिकार सुनिश्चित होए से उदेश्यसँ विश्व बाल दिवस मनाओल जाइत अइछ। एहि अवसरपर आयोगद्वारा सब बालबालिका आ बाल अधिकारकर्मीसभकेँ शुभकामना व्यक्त कएल गेल अइछ।
संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...
काठमाडौँ : चालु आर्थिक वर्ष पूरा हुन १९ दिन बाँकी हुँदा सरकारले राजश्व संकलनमा लक्ष्यको ७५ दशमलव १७ प्रगति हासिल...
काभ्रेपलाञ्चोक : स्तरोन्नति भइरहेको अरनिको राजमार्गअन्तर्गत धुलिखेल–खावा सडकखण्डलाई तीव्रता दिन असार तेस्रो सातादेखि १५ दिन रातको समयमा सवारीसाधन आवागमनमा रोक...