
विराटनगर : नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री गगन थापा दू नम्हर दलके साबुदे सहमतिकेँ संस्थागत करबाक लेल नेपाली कांग्रेस आ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) बीच राजनीतिक संयन्त्र बनल बतौलैन अइछ ।
विराटनगर विमानस्थलमे आइ पत्रकारसङ भेटघाटमे ओ संविधान संशोधनके विषयमे पहिने नेपाली कांग्रेस आ एमालेबीच एकटा धारणा बनत आ तब आन दलसभसङ बातचित करबाक योजना रहल बतौलैन । ओ केकरो चाहेनेसँ संविधानक मूलभूत विषयमे संशोधन नै हएत, संविधान संशोधनक सन्दर्भमे जिम्मेवार सब राजनीतिक दलसङे सौहाद्र्रपूर्ण वातावरणमे बातचित क आवश्यक निर्णय लेबाक स्पष्ट केलैन ।
महामन्त्री थापा कहलैन, “नेपाली कांग्रेस संविधानके मर्म आ भावना एवं पञ्चशीलके सिद्धान्तअनुसार सब राष्ट्रसङ मित्रवत् सम्बन्ध रखबाक पक्षमे अइछ ।” ओ विआरआई नयाँ सम्झौता नै भ पुरने अइछ कहैत उक्त सम्झौताकेँ निर्णायक अवस्थामे आनल जाएत बतौलैन ।
विआरआई सन्दर्भमे उठल आशङ्का आ अनावश्यक हल्ला हटेबाक लेल प्रधानमन्त्रीके चीन भ्रमण सफल होबाक विश्वास व्यक्त करैत महामन्त्री थापा कहलैन, “विकाशक लेल बेसी पुँजीके आवश्यकता भेलासँ, अपनासभके मित्र देशसँ एखन कर्जा नै ल अनुदान सहयोगके अपेक्षा राखने छी।”
एकटा प्रश्नके जवाब दैत महामन्त्री थापा दाबी केलैन “स्थानीय तहके ई उपनिर्वाचनमे एहिसँ पहिनेक तुलनामे नेपाली कांग्रेसके नीक परिणाम आएत।”
काठमाडौं : हाल कोशी, मधेस र बागमती प्रदेशका सम्पूर्ण क्षेत्र, गण्डकी प्रदेशका केही तथा लुम्बिनी प्रदेशको पूर्वी क्षेत्रसम्म मनसुन वायुको...
काठमाडौं : लायन्स क्लब अफ अन्तर्राष्ट्रिय डिष्ट्रिक ३२५ एफ अन्तर्गत लायन्स क्लब अफ नेपाल जर्नालिस्टले गत साता पद हस्तान्तरण तथा...
संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...