
काठमाण्डू : गृहमन्त्री रमेश लेखक देशकेँ लागुऔषधमुक्त बनेबाक लेल प्रभावकारी ढंगसँ काज करबाक आवश्यकतापर जोड़ देलैन अइछ।
काठमाण्डूक कोटेश्वर स्थित लागुऔषध नियन्त्रण ब्युरो कार्यालयक निरीक्षणक क्रममे गृहमन्त्री लेखक कहलैन “लागुऔषधक उत्पादन, भण्डारण आ प्रयोग एकटा बड्का चुनौतीक रूपमे छै।”
“लागुऔषध प्रयोगसँ सड़क दुर्घटना, आत्महत्या आ साइबर अपराध बढ़ैत छै। अपनासब एक बर्षमे लागुऔषध विरुद्ध महाअभियान लागू कएने छलाैँ। ओ अभियान सार्थक भेल”, ओ कहलैन, “ई अभियानमे आम नागरिक सहित सबके सहकार्य आवश्यक छै।”
विगत बर्षक तुलनामे पछिला एक बर्षमे लागुऔषध नियन्त्रणमे प्रगति भेल उल्लेख करैत गृहमन्त्री लेखक कहलैन, “आबैबला दिनमे आओर प्रभावकारी ढंगसँ ई चुनौतीक सामना करबाक लेल आगाँ बढ़बाक चाही। स्रोतसाधनक कमी भेलाक बादो हमरासभ बहुत काज क सकलियै। से ई एक बर्षमे देखल गेलै”, ओ कहलैन। लागुऔषधक बिगबिगी देखल गेल कहैत एकर विरुद्धक अभियानमे सरकार सशक्त भ क लागत, ओ बताैलैन।
“युवामे एकर लत बहुत भ गेल छै। देशक भविष्यसँ जुड़ल युवाशक्ति लागुऔषधमे फँसल छै”, गृहमन्त्री लेखक कहलैन, “लागुऔषध विरुद्धक महाअभियानके परिणाम अएलै। लागुऔषध अपराधमे संलग्न लोककेँ केवल कारबाही कएलासँ नै होएत। लागुऔषध विरुद्ध अभियान चलेबाक आवश्यकता अइछ। ई खाली प्रहरीके काज नै छियै। ई सब नागरिकके जिमेवारी छियै।”
गृहमन्त्री लेखक कहलैन जे लागुऔषध ब्युरोकेँ विभागक रूपमे विकास कएल जाएत। “ब्युरोकेँ विभागक रूपमे विकास करबाक प्रतिबद्धता जनबैत छी। मन्त्रालय दिससँ जे सहयोग होएत, से करबै”। लागुऔषध ब्युरोकेँ विभागक रूपमे विकास करबाक तैयारी आगाँ बढ़एबाक लेल ओ प्रहरी महानिरीक्षक दिपक थापा सहित प्रहरी प्रधान कार्यालयकेँ निर्देशन देलैन।
प्रहरी महानिरीक्षक थापा कहलैन “लागुऔषध ब्युरोकेँ विभागक रूपमे विकास करबाक गृहमन्त्री लेखकक प्रस्ताव सराहनीय अइछ। लम्बा समयसँ नेपाल प्रहरी लागुऔषध नियन्त्रणमे देशभैर सक्रिय अइछ।”
अइ अवसरमे केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो (सिआइबी) क प्रमुख प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक चन्द्रकुवेर खापुङ, लागुऔषध नियन्त्रण ब्युरोक प्रमुख वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक कृष्णप्रसाद कोइराला सहितक उपस्थिति सेहो छलैथ।
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन...
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच...
काठमाण्डू : गृहमन्त्री रमेश लेखक नेपाल नागरिकता (दोसर संशोधन) विधेयकसँ माएके वंश सेहो कायम हएत बतौने छैथ । आइ प्रतिनिधिसभा...