जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल – Naya Bikalpa
June 28, 2026, Sunday      Epaper

जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच एकता आवश्यक भेल बतौलैन अइछ ।

अखिल नेपाल महिला सङ्घ (क्रान्तिकारी) क सातम् राष्ट्रिय सम्मेलनक आइ उद्घाटन करैत ओ समाजवादी आन्दोलनकेँ आगा बढेबाक लेल आबक सङ्कल्पित हुअ पड़त बतौलैन ।

अध्यक्ष दाहाल जनयुद्धमे महिलाक उल्लेखनीय योगदान रहल उल्लेख करैत कहलैन, “जनयुद्धमे हजारौँ महिलाक सहभागिता नै भेल रहतियै तँ सङ्घीय लोकतान्त्रिक संविधान, गणतन्त्र आ राज्यक निकायमे महिलाक ३३ प्रतिशत उपस्थिति सम्भव नै छल ।”

संविधान जेहन चाहने रही तेहन निर्माण नै क सकल मुदा सम्झौताक दस्तावेजक रूपमे रिजर्भेसन सहित आनल ओ गेल बतौलैन । मुदा जे उद्देश्यसँ संविधान निर्माण कएल गेल छल ओकर कार्यान्वयनसँ बेसी संविधान विरुद्धक गतिविधि प्रति चिन्ता व्यक्त करैत कहलैन, “अपनासभद्वारा बनाएल गेल संविधान कार्यान्वयन दिस नै, उपलब्धिके उलट जेबाक खतरा देखा रहल छै ।”

अध्यक्ष दाहाल देशमे स्थिरता आ सुशासन कायम करबाक लेल प्रत्यक्ष निर्वाचित कार्यकारी प्रमुखक आवश्यकता दोहरेलैन। ओ कहलैन, “१० वर्ष पहिने संविधान निर्माण करैत काल हमसभ कहने छलाैँ – जननिर्वाचित कार्यकारी प्रमुख आ निर्वाचन पूर्ण समानुपातिक होबए पड़त । अखन ओकर आवश्यकता आओर बेसी महसूस भ रहल अइछ ।”

माओवादी नेत्री एवम् भरतपुर महानगरपालिका’ प्रमुख रेनु दाहाल महिलाद्वारा प्राप्त जिमेवारी कुशलतापूर्वक निर्वाह क रहल तथ्य प्रस्तुत करैत महिलाकेँ आओर अधिकार देबयमे कन्जुसी नै करबाक चाही बतौलैन । कार्यक्रममे अध्यक्ष दाहाल अल्किना बमद्वारा लिखित पुस्तक ‘जुनकिरी हराएकाे रात’के लोकार्पण कएने छलैथ ।

सम्बन्धित समाचार

नेपाली कांग्रेसको अभियान तीव्र: भोजपुर र संखुवासभामा अन्तरसंवादमा सह-महामन्त्री डिला संग्रौलाको टोली सक्रिय
नेपाली कांग्रेसको अभियान तीव्र: भोजपुर र संखुवासभामा अन्तरसंवादमा सह-महामन्त्री डिला संग्रौलाको टोली सक्रिय
  • २०८२ भाद्र १८, २०: ५१

संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...

शुक्रबारसम्म ११ खर्ब १२ अर्ब राजश्व संकलन, पूँजीगत खर्च करिब ३५ प्रतिशत
शुक्रबारसम्म ११ खर्ब १२ अर्ब राजश्व संकलन, पूँजीगत खर्च करिब ३५ प्रतिशत
  • २०८२ भाद्र १८, २०: ५१

काठमाडौँ : चालु आर्थिक वर्ष पूरा हुन १९ दिन बाँकी हुँदा सरकारले राजश्व संकलनमा लक्ष्यको ७५ दशमलव १७ प्रगति हासिल...

अरनिको राजमार्ग असार २२ गतेदेखि १५ दिन राति बन्द गरिने
अरनिको राजमार्ग असार २२ गतेदेखि १५ दिन राति बन्द गरिने
  • २०८२ भाद्र १८, २०: ५१

काभ्रेपलाञ्चोक : स्तरोन्नति भइरहेको अरनिको राजमार्गअन्तर्गत धुलिखेल–खावा सडकखण्डलाई तीव्रता दिन असार तेस्रो सातादेखि १५ दिन रातको समयमा सवारीसाधन आवागमनमा रोक...