
महोत्तरी : मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह धार्मिक पर्यटन मधेशके समृद्धिके मुख्य आधार भेल बताैलैन अइछ । आइ सोमदिनके अवसरमे महोत्तरीके बर्दिवास–५ टुटेश्वरस्थित टुटेश्वरनाथ महादेवके दर्शनके बाद मुख्यमन्त्री सिंह धार्मिक पर्यटन मधेशके कृषिके बाद आर्थिक समृद्धिके मुख्य आधार बनैबला भेल उल्लेख केलैन ।
“कोशीसँ ठोरीधैर प्रसिद्ध धार्मिकस्थल छै, अपनासभकेँ पर्यटन प्रवर्द्धन केन्द्रित पूर्वाधार निर्माण आ सम्पदाके संरक्षण करबाक चाही। मधेश प्रदेश सरकार एकर विकास आ सम्वर्द्धनप्रति प्रतिबद्ध छै ।” महोत्तरिक टुटेश्वरनाथ, पञ्चधुरा माईस्थान आ राइमण्डलधाम क्षेत्रमे प्रदेश सरकारक ध्यान रहल से अइ बीचमे भ रहल कामसँ देखाइत छै ओ बतौलैन ।
महोत्तरिक टुटेश्वरनाथ, पञ्चधुरा माईस्थान आ राइमण्डलधाम सघन वनक्षेत्रभित्र चुरे पर्वत श्रेणीेक गर्भमे भेलासँ भौगोलिक आ प्राकृतिक रूप रमणीय ठाम भेल मुख्यमन्त्री सिंहके कहब अइछ । प्रदेश सरकार अपन भूगोल क्षेत्रक पर्यटकीय क्षेत्रके प्रवर्द्धनक लेल स्थानीय सरकारसङे हातमे हात मिला क आगू बढ़बाक प्रतिबद्धता केलैन ।
आइ टुटेश्वरनाथ आ पञ्चधुरा माईस्थानके दर्शनबाद मुख्यमन्त्री सिंह अइ ठाँमक पूर्वाधार निर्माणके अवलोकन केलैन । ओहि अवसरमे बर्दिवास नगरपालिकाक जनप्रतिनिधि, नगरके संस्कृति तथा पर्यटन प्रवर्द्धन समिति आ नेपाल होटल तथा पर्यटन व्यवसायी महासङ्घके पदाधिकारी पर्यटन प्रवर्धनक क्षेत्रमे कि कि काज होबाक चाही से बारेमे मुख्यमन्त्रीक ध्यानाकर्षण कराैने छल ।
काठमाडौँ : नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीका संयोजक पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ले स्थानीय तहको निर्वाचनमा प्रतिनिधिसभा निर्वाचनमा जस्तो राजनीतिक हुरी नचल्ने बताएका छन्...
काठमाडौं : नेपाली कांग्रेसका सभापति गगन थापाले वर्तमान सरकारलाई पाँच वर्षसम्म निर्वाध रूपमा काम गर्ने वातावरण दिनुपर्ने बताएका छन् ।...
काठमाडौं : लुम्बिनी विकास कोषको उपाध्यक्षमा आनी छोइङ डोल्मालाई नियुक्त गर्ने सरकारको निर्णयविरुद्ध सर्वोच्च अदालतमा रिट निवेदन दर्ता भएको छ...