
काठमाण्डू : श्रम, रोजगार तथा सामाजिक सुरक्षामन्त्री शरत् सिंह भण्डारी रोजगारीके प्रमुख स्रोत निजी क्षेत्र भेल बतौलैन अइछ ।
आइ ‘सीप विकाशक लेल हमर प्रतिबद्धता, समृद्ध राष्ट्रके सुनिश्चिता’ नारासहित राष्ट्रिय व्यावसायिक प्रशिक्षण प्रतिष्ठान भैँसेपाटी काठमाण्डूमे आयोजन कएल गेल रोजगार प्रवर्द्धन करबाक अभिप्राय सरोकार भेल निकाय तथा रोजगारदातासङके अन्तरक्रिया कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत मन्त्री भण्डारी उक्त बात बतौलैन अइछ ।
मन्त्री भण्डारी कहलैन, “सरकार रोजगारी नै, सुविधा दै छै । रोजगारदाता मतलब संसारभैर निजी क्षेत्र होबाक भेलासँ रोजगारीक प्रमुख स्रोत सेहो निजी क्षेत्र छी ।” सएह कार्यक्रममे बाजैत मन्त्रालयअन्तर्गत आन्तरिक रोजगार महाशाखाक स्थापना करए लागल ओ जानकारी देलैन ।
वैदेशिक रोजगारीक लेल महाशाखा, बोर्ड आ विभाग छै मुदा आन्तरिक रोजगारीक लेल किछ व्यवस्थान करबाक लेल आन्तरिक रोजगार महाशाखाक स्थापना कएल जा लागल मन्त्री भण्डारीक कहब अइछ । “मन्त्रालयअन्तर्गत आन्तरिक रोजगार महाशाखाक स्थापना देशभितरके रोजगारीक सम्भावनासभकेँ प्रवर्द्धन करब, तकरा आगू बढेबाक काज करत”, ओ कहलैन ।
काठमाडौं : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलले सम्पत्ति शुद्धीकरण निवारण अध्यादेश-०८३ जारी गरेका छन् । शुक्रबार राष्ट्रपति पौडेलले ‘सम्पत्ति शुद्धीकरण (मनी लाउण्डरिङ)...
काठमाडौँ — अर्थमन्त्री स्वर्णिम वाग्ले र दक्षिण तथा मध्य एसियाका लागि डोनाल्ड ट्रम्पका विशेष दूत सर्जियो गोरबीच भेटवार्ता भएको छ। शुक्रबार...
काठमाडौं — दशरथ रंगशालामा सुकुमवासीहरूको विवरण संकलन कार्य तीव्र गतिमा अघि बढाइएको छ। सहरी व्यवस्थापनलाई प्रभावकारी बनाउने उद्देश्यसहित विभिन्न स्थानबाट...