
काठमाण्डू : वैदेशिक रोजगारमे आकर्षक तलबके प्रलोभनमे विभिन्न देश पठा देब कहैत टका ठगी कएल अभियोगमे प्रहरी तीन गोटेकेँ आइ सार्वजनिक केलक अइछ ।
पकड़ाएलमे कास्कीक पोखरा महानगरपालिका–२५ घर भ काठमाण्डूक टोखा नगरपालिका–६ निवासी ३० वर्षीय मधु तिमल्सिना अधिकारी, रुपन्देही देवदह नगरपालिका–१२ घर भ काठमाण्डू महानगरपालिका–२८ निवासी ३२ वर्षीय गीता कुँवर तथा काठमाण्डू बागबजारस्थित ग्लोबल एक्सेल अपस्किल एन्ड स्टडी इन्फो सेन्टरके सञ्चालिका सिराहाके सिरहा नगरपालिका–७ घर भ काठमाण्डू–२२ निवासी ३० वर्षीय दिव्या यादव रहल काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालयक सूचना अधिकारी एवं प्रहरी उपरीक्षक काजीकुमार आचार्य जानकारी देलैन ।
ओ कहलैन, “पकड़ाएलमध्ये मधु रोमानिया पठा देब कहैत तीनगोटे पीडितसभसँ सात लाख, गीता युके पठा देब कहैत आठटा पीडितसँ १६ लाख पाँच हजार तथा दिव्या स्लोभाकिया पठा देब कहैत एक व्यक्तिसँ पाँच लाख १५ हजार टका ल सम्पर्कविहीन भेल कहैत पीडितसभके उजुरीक आधारमे पकड़ाउ कएल गेल अइछ ।”
प्रहरी मधुकेँ काठमाण्डूके टोखा–६ सँ आ गीताकेँ काठमाण्डू–२८ सँ तथा दिव्याकेँ काठमाण्डू न्यूरोडसँ पकड़ाउ कएल गेल काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालय जनौलक अइछ । पकड़ाएलमध्ये मधु आ गीताकेँ आवश्यक अनुसन्धान तथा कारबाहीक लेल वैदेशिक रोजगार विभाग ताहाचल काठमाण्डू आ दिव्याकेँ जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डू भद्रकाली पठाएल गेल सूचना अधिकारी आचार्य बतौलैन ।
काठमाडौं : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलले सम्पत्ति शुद्धीकरण निवारण अध्यादेश-०८३ जारी गरेका छन् । शुक्रबार राष्ट्रपति पौडेलले ‘सम्पत्ति शुद्धीकरण (मनी लाउण्डरिङ)...
काठमाडौँ — अर्थमन्त्री स्वर्णिम वाग्ले र दक्षिण तथा मध्य एसियाका लागि डोनाल्ड ट्रम्पका विशेष दूत सर्जियो गोरबीच भेटवार्ता भएको छ। शुक्रबार...
काठमाडौं — दशरथ रंगशालामा सुकुमवासीहरूको विवरण संकलन कार्य तीव्र गतिमा अघि बढाइएको छ। सहरी व्यवस्थापनलाई प्रभावकारी बनाउने उद्देश्यसहित विभिन्न स्थानबाट...