
काठमाण्डू : सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालय सुरक्षण मुद्रण केन्द्र मार्फत सवारीसाधन अनुमतिपत्र (लाइसेन्स) छापबाक तैयारीमे जुटल अइछ।
आइ काठमाण्डूमे सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्री पृथ्वी सुब्बा गुरुङ, भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्री देवेन्द्र दाहाल आ सुरक्षण मुद्रण केन्द्रक कार्यकारी निर्देशक देवराज ढुंगानाक बीच भेल बातचितमे देशक भीतरे सवारीसाधन अनुमतिपत्र छापबाक विषयपर अनौपचारिक सहमति भेल अइछ, से सञ्चार मन्त्रालय जनौलक अइछ ।
सञ्चारमन्त्री गुरुङ कहलैन, “सुरक्षण मुद्रण केन्द्र मार्फत अनुमतिपत्र छापब अत्यन्त महत्वपूर्ण विषय छी। शीघ्रे छपाइ कार्य सुरू करब, आ एकरा लेल आवश्यक भौतिक आ प्राविधिक तैयारीमे करब।”
ओ कहलैन जे स्वदेशमे आवश्यक कागजपत्र छापब देशक स्वाभिमान, गौरव आ रोजगार सृजनासँ जुड़ल विषय अइछ। इएह कारण सरकार छपाइसम्बन्धी काज सुरक्षण मुद्रण केन्द्र मार्फत करबाक तैयारीमे अइछ। स्वदेशमे छपाइ भेलासँ राजस्व वृद्धि हएत आ रोजगारक अवसर सेहो बनत, ताहि लेल छपाइ कार्यकेँ निरन्तरता देल जाएत।
यातायात मन्त्री दाहाल कहलैन, “सरकारके नव आ महत्वपूर्ण कार्यक शुरूआत भ रहल अइछ। ई जनतामे सकारात्मक आ भरोसापूर्ण सन्देश देत। सञ्चार मन्त्रालय सङ शीघ्र सहकार्य क केन्द्र सङ लिखित सम्झौता कएल जाएत।”
बातचितमे करिब ३० लाख लाइसेन्स छापबाक सम्भावना देखल गेल अइछ। दू वर्ष पहिने सुरक्षण मुद्रण केन्द्रक तत्कालीन कार्यकारी निर्देशक विकल पौडेलसहित नौ गोटेक विरुद्ध भ्रष्टाचारक मुद्दा दायर भेल रहए, जकर बाद केन्द्र निष्क्रिय भ गेल छल।
मन्त्री गुरुङ कहलैन, “निष्क्रिय केन्द्रकेँ पुनर्जीवित करबाक लेल छपाइसम्बन्धी प्रक्रिया शुरू करब जरूरी अइछ। कर्मचारीविहीन केन्द्रक संचालनक लेल कार्यकारी निर्देशककेँ नियुक्त कएल गेल छै । हुनकर आगमनके बाद छपाइ कार्य शुरू करबाक योजना बनल छै।”
ओ कहलैन जे छापाखानाकेँ आधुनिक प्रविधिसँ सुसज्जित बनेबाक, कर्मचारी व्यवस्थापन सुदृढ बनेबाक तैयारी आरम्भ भ चुकल छै। कोनो नेपाली कागजपत्र बाहर छपेबाक आवश्यकता नै रहए, ताहि लेल हुलाक टिकट, पासपोर्ट, राष्ट्रिय परिचयपत्र जकाँ कागजपत्र स्वदेशे छपलासँ देशक राजस्व बढ़त।
मन्त्री गुरुङ कहलैन, “एक–दू दिनमे यातायात मन्त्रालय आ केन्द्र सङ सहमति क छपाइ शुरू कएल जाएत। एहि वर्षभितर छपाइ आरम्भ करब। एक–दू दिनमे लिखित सहमति क बाँकी प्रक्रिया करब।”
काठमाडौं : नेपाल मौसम विज्ञान विभाग, मौसम पूर्वानुमान महाशाखाले आगामी पाँच दिनको मौसमी अवस्थाको पूर्वानुमान गरेको छ । विभागका मौसमविद्...
काठमाडौं : नेपाली कांग्रेसको १५औं महाधिवेशनबाट निर्वाचित केन्द्रीय कार्यसमितिका पदाधिकारी तथा सदस्यहरूको शपथ ग्रहण समारोह बिहीबार हुने भएको छ ।...
रसुवा : नुवाकोटमा अस्थायी रुपमा बसोबास गर्दै आएका रसुवाको उत्तरगया गाउँपालिकाका बाढी प्रभावितलाई होल्डिङ सेन्टरबाटै नागरिकताको प्रतिलिपि उपलब्ध गराउने प्रक्रिया...