भाषागत समावेशिता सङ्घीयताके मर्मकेँ सम्बोधन केलक अइछ : सञ्चारमन्त्री – Naya Bikalpa
August 9, 2026, Sunday      Epaper

भाषागत समावेशिता सङ्घीयताके मर्मकेँ सम्बोधन केलक अइछ : सञ्चारमन्त्री

काठमाण्डू : सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वी सुब्बा गुरुङ भाषागत समावेशिता सङ्घीयताके मर्मकेँ सम्बोधन कएने बताैलैन अइछ ।

तामाङ पत्रकार सङ्घ आइ एत आयोजित तामाङ मिडिया अवार्ड कार्यक्रममे ओ अरु क्षेत्रमे सरकारी सञ्चार माध्यममे समावेशी नीति प्रभावकारी देखाएल बतौलैन ।

सरकारक प्रवक्तासेहो रहल मन्त्री गुरुङ अनुसार राष्ट्रिय समाचार समिति(रासस), सार्वजनिक प्रसारण संस्था रेडियो नेपाल आ नेपाल टेलिभिजन, गोरखापत्र मातृभाषाक समाचार सम्प्रेषण क समावेशिताके मर्मअनुसार सङ्घीयताकेँ सुदृढ बनेबाक प्रयास भेल अइछ ।

गोरखापत्रमे ४५, रेडियो नेपालमे २५ आ रासस तीन टा माभृभाषामे समाचार सम्प्रेषण क रहल जानकारी दैत मन्त्री गुरुङ सञ्चार माध्यममे भाषागत समावेशिता प्रवर्धनकेँ  प्राथमिकताक साथ आगू बढ़ाएल गेल बताैलैन। ओ चालु आर्थिक वर्षमे राससमे तामाङ भाषामे सेहो समाचार सञ्चालन करबाक तैयारी क रहल जानकारी देलैन अइछ ।

राष्ट्रियसभासँ पारित भ प्रतिनिधिसभाक समितिमे बातचितमे रहल मिडिया काउन्सिल विधेयक पूरा होबाक अवस्थामे रहल तथा सरकार हाल एआई नीति अनुमोदन कएल जानकारी दैत सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री ‘डिजीटल फ्रेमवर्क नेपाल’के परिकल्पनाकेँ साकार करए लेल एआई नीति उपयोगी होबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।

एआई नीति कार्यान्वयन करए लेल भौतिक संरचना निर्माण, ‘फोर जी नेटवर्क’केँ सबल बनेबाक, ‘फाइभ जी नेटवर्क’ सुरू करब, ‘डेटा सेन्टर’ खोलबाक गृहकार्य भ रहल ओ बतौलैन ।

ओहि अवसरमे मन्त्री गुरूङ पत्रकारद्वय टीकाराम तामाङ आ मालती मोक्तानकेँ पुरस्कार प्रदान केलैन ।

वाग्मती प्रदेशक खानेपानी, ऊर्जा तथा सिँचाइमन्त्री कृष्ण कुमार तामाङ तामाङ भाषाकेँ सरकारी कामकाजके भाषाक रूपमे कार्यान्व्यन करेबाक प्रतिबद्धता रहल बतौलैन ।

तामाङ पत्रकार सङ्घके अध्यक्ष नेत्र तामाङ अपन समुदायके पत्रकारके वत्तिविकासमे सहयोगक लेल पुरस्कारके व्यवस्था कएल गेल बतौलैन ।

सम्बन्धित समाचार

तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
  • २०८२ भाद्र १, २१: ३३

कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...

गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
  • २०८२ भाद्र १, २१: ३३

रसुवा : जिल्लाको प्रख्यात तीर्थस्थल गोसाइँकुण्डमा हरेक वर्ष जनपूर्णिमाका दिन लाग्ने मेलालाई लक्षित गरी तीव्र गतिमा तयारी थालिएको छ ।...

तीनबुँदे सहमतिअनुसार कर्णालीमा मन्त्रिपरिषद् विस्तार हुँदै
तीनबुँदे सहमतिअनुसार कर्णालीमा मन्त्रिपरिषद् विस्तार हुँदै
  • २०८२ भाद्र १, २१: ३३

सुर्खेत : कर्णाली प्रदेशका मुख्यमन्त्री मंगलबहादुर शाहीले चाँडै मन्त्रिपरिषद् विस्तार हुने बताएका छन् । नेकपा एमाले र नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी...