देशभैर ९४ प्रतिशत धान रोपनी, उत्पादन घटबाक अनुमान – Naya Bikalpa
October 27, 2026, Tuesday      Epaper

देशभैर ९४ प्रतिशत धान रोपनी, उत्पादन घटबाक अनुमान

काठमाण्डू : अइ बेर धान उत्पादन घटबाक अनुमान कएल गेल अइछ । कृषि विभाग अनुसार देशभैर अखनधैर ९४.१५ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न भेल अइछ ।

विभागक अनुसार सुदूरपश्चिम प्रदेशमे सबसँ बेसी ९९.७२ रोपनी भेल छै । मनसुन देरीसँ सक्रिय भेलाक कारणेँ मधेश प्रदेशमे सबसँ कम ८६.३५ प्रतिशत रोपनी सम्पन्न भेल विभागक महानिर्देशक प्रकाश सञ्जेल जानकारी देलैन ।

अखनधैर कर्णाली प्रदेशमे ९९.३४ प्रतिशत, लुम्बिनी प्रदेशमे ९८.०७ प्रतिशत रोपनी भेल अइछ तँ बागमती प्रदेशमे ९७.२७ प्रतिशत, गण्डकी प्रदेशमे ९४.८३ प्रतिशत आ कोशी प्रदेशमे ९४.४२ प्रतिशत रोपनी भेल अइछ ।

देशभैर करिब १३ लाख हेक्टर जमिनमे रोपनी सम्पन्न भेल अइछ । देशभैर करिब १४ लाख हेक्टर जमिन खेती करए लेल योग्य रहल कृषि तथा पशुपन्क्षी विकास मन्त्रालय जनौने अइछ । भादब दोसर हप्ताधैर आओर किछ प्रतिशत रोपनी वृद्धि हेबाक अनुमान कएल गेल अइछ ।

धान उत्पादन तथा क्षेत्रफलके हिसाबसँ तराई सबसँ उत्तम मानल जाइत अइछ । तराईमे जमा उत्पादनके ७० प्रतिशत आ पहाडी क्षेत्रमे ३० प्रतिशत उत्पादन होइत आएल अइछ ।

आर्थिक वर्ष २०८०/८१ मे ५७ लाख २४ हजार दू सओ ३४ मेट्रिकटन धान उत्पादन भेल छल । अइ साल अनुमानित ६० लाख मेट्रिकटन धानसँ करिब ३५ लाख मेट्रिकटन चाओर उत्पादन हेबाक जनाओल गेल अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

एनपिएलमा आज दुई खेल
एनपिएलमा आज दुई खेल
  • २०८२ भाद्र २, २१: ४४

काठमाडौं : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)को दोस्रो दिन आज दुई खेल हुँदै छन् । कीर्तिपुरस्थित त्रिवि क्रिकेट मैदानमा अपराह्न १२:३०...

एनपिएल : सुदूरपश्चिमलाई हराउँदै लुम्बिनीको विजयी सुरुवात
एनपिएल : सुदूरपश्चिमलाई हराउँदै लुम्बिनीको विजयी सुरुवात
  • २०८२ भाद्र २, २१: ४४

काठमाडौं : नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल)को तेस्रो संस्करणमा साबिक विजेता लुम्बिनी लायन्सले विजयी सुरुवात गरेको छ । सोमबार कीर्तिपुरस्थित त्रिवि...

गुल्मीमा स्कार्पियो दुर्घटना हुँदा ६ जनाको मृत्यु
गुल्मीमा स्कार्पियो दुर्घटना हुँदा ६ जनाको मृत्यु
  • २०८२ भाद्र २, २१: ४४

गुल्मी : गुल्मीमा स्कारपियो दुर्घटना हुँदा ६ जनाको मृत्यु भएको छ । स्याङ्जाको चिरकोटबाट गुल्मीको राक्सेतर्फ जाँदै गरेको बा ०२२० नम्बरको...