
राजविराज : स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री प्रदीप पौडेल देशेक गौरवक रूपमे रहल रामराजाप्रसाद सिंह स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक निर्माणक काज जल्दिए आगु बढ़ाएल जेबाक बात बताैलैन ।
सप्तरीक राजविराज–१० विरौलमे प्रतिष्ठानक जगह निरीक्षण करबाक क्रममे मङ्गलदिन मन्त्री पौडेल प्रतिष्ठानके व्यवस्थित विकास करबाक सोचक सङ्ग आवश्यक संरचना निर्माण लेल सरकार आगु बढ़ल कहलैन ।
ओ चिकित्सा शिक्षा अध्ययनदिस स्नातक तह (एमबिबिएस) क पढाइ सञ्चालन करबाक उद्देश्यक पूरा करबालेल प्रतिष्ठानक पूर्वाधार निर्माण तथा एकरा व्यवस्थित कएल जेबाक बातमे सरकार गम्भीर रहल बतौलैन ।
मन्त्री पौडेल कहलैन, “रामराजाप्रसाद सिंह स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक लेल आवश्यक जगह व्यवस्थापन भ चुकल अइछ । आब पूर्वाधार निर्माणक लेल बोलपत्र क जल्दिए काज सुरू हएत ।”
प्रतिष्ठान पूर्वाधार तयारी विकास समितिक अध्यक्ष डा पशुपति चौधरी सरकार अइ वर्ष आवश्यक पूर्वाधार निर्माणक लेल रु ४० करोड़ बजेट छुट्याल गेल बोलपत्र आह्वान नै भेल ध्यानाकर्षण कराैलैन ।
वि.सं २०७५ पुस १६ गतेक मन्त्रिपरिषद् बैठकसँ राजविराजमे रामराजा प्रसाद सिंह स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान स्थापना करबाक निर्णय केने छल । ६२ बिघा जग्गा प्रतिष्ठानक नाममे ३० वर्षक लेल भाड़ामे देबाक निर्णय कएल संगे २०७८ असार २२ गते तत्कालीन प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली प्रतिष्ठानक शिलान्यास केने छलैथ ।
संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...
काठमाडौँ : चालु आर्थिक वर्ष पूरा हुन १९ दिन बाँकी हुँदा सरकारले राजश्व संकलनमा लक्ष्यको ७५ दशमलव १७ प्रगति हासिल...
काभ्रेपलाञ्चोक : स्तरोन्नति भइरहेको अरनिको राजमार्गअन्तर्गत धुलिखेल–खावा सडकखण्डलाई तीव्रता दिन असार तेस्रो सातादेखि १५ दिन रातको समयमा सवारीसाधन आवागमनमा रोक...