
चितवन : अइठामँक बिपी कोइराला मेमोरियल क्यान्सर अस्पतालमे रक्त क्यान्सर भेल बेमारीके परीक्षण सुरु कएल गेल अइछ । अइसँ पहिने नमूना बाहर पठाएल जाइत छल । उपकरण खरिद क अइठामँ परीक्षण सुरु कएल गेल अइछ ।
अस्पतालक उपनिर्देशक डा. उमेश नेपालक अनुसार रक्तक्यान्सरक प्रकारक परीक्षण करबालेल फ्लो साइटोमेट्रि सेवा सुरु कएल गेल अइछ । अइलेल आवश्यक उपकरण एक करोड़ ५० लाख टकामे खरिद क जनशक्तिकेँ तालिम देलाक बाद सेवा सुरु कएल गेल अइछ ।
हुनक अनुसार एक गोटे डाक्टर आ एकगोटे प्राविधिककेँ भारतक टाटा मेमोरियल क्यान्सर अस्पतालमे तालिमलेल पठाएल गेल छल । तालिमप्राप्त जनशक्ति आ उपकरण आएलसङे सेवा सुरु भेल ओ जानकारी देलैन ।
अस्पतालक कार्यकारी निर्देशक डा शिवजी पौडेलक अनुसार अइसँ पहिने ई परीक्षण प्राय: भारत पठाएल जाइत छल ।
किछु नमूना काठमाण्डू पहुँचाएल जाइत छल । नतिजा आबएमे १५ दिनसँ बेसी समय लागैत छल मुदा एखन पाँच दिनमे नतिजा अबैत अइछ। बाहर ३० हजार टकासँ उपर खर्च होइत छल । एत परीक्षण भेलासँ १२ हजार टकामात्रे लागैत अइछ । अस्पतालमे रक्त क्यान्सरके बेमार बहुते भेलासँ बेमारीसभकेँ सहज भेल अइछ ।
ओ कहलैन जे “जल्दी रोग चिन्हबाक लेल सहज भेल अइछ ।” कार्यकारी निर्देशक डा पौडेल अस्पतालक सेवा विस्तार करबाक क्रममे हमसभ लागल छी कहलैन ।
अस्पतालमे राखल सिटी स्क्यान मर्मत क सञ्चालनमे आनल गेल अइछ ,त बहुत समयसँ रोकल मेमोग्राम सेवा जल्दिए सञ्चालनमे आइन रहल जानकारी ओ देलैन।
संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...
काठमाडौँ : चालु आर्थिक वर्ष पूरा हुन १९ दिन बाँकी हुँदा सरकारले राजश्व संकलनमा लक्ष्यको ७५ दशमलव १७ प्रगति हासिल...
काभ्रेपलाञ्चोक : स्तरोन्नति भइरहेको अरनिको राजमार्गअन्तर्गत धुलिखेल–खावा सडकखण्डलाई तीव्रता दिन असार तेस्रो सातादेखि १५ दिन रातको समयमा सवारीसाधन आवागमनमा रोक...