
खुला सीमानाकाके कारण पर्साक युवासभ लागुऔषध कुलतमे फइस रहल अइछ । जिला प्रहरी कार्यालय पर्साक अनुसार लागुऔषध मुद्दामे हाल युवासभके संख्या अधिकतम अइछ ।
ग्रिनसिटी सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्रके अध्यक्ष जयप्रकाश खेतान खुला सीमानासँ अवैध रूपमे लागुऔषध अएलासँ युवासभ कुलतमे फसल बतौलैन । “खुला सीमानाकाके कारणेँ स्कुले उमेरसँ अइठामँक युवा कुलतमे अइछ । एखनि युवासभ लागुपदार्थसँ बचेबाक समय आइब गेल अइछ नै त मुश्किल बेसी बइढ़ जाएत ।”
जिला प्रहरी कार्यालय पर्साक प्रहरी नायब उपरीक्षक सुवास भट्ट सेहो युवासभ खास क लागुऔषधमे फसल बतौलैन । “खुला सीमानाकाके कारण सेहो युवापुस्ता लागुऔषधके कुलतमे लागल अइछ । एकरा समाधानक लेल पर्सा प्रहरी सामुदाय प्रहरी साझेदारी कार्यक्रममार्फत विद्यार्थी तथा युवामे सचेतनामूलक कार्यक्रम संचालन करैत आइब रहल अइछ ।”
प्रहरी नायब उपरीक्षक भट्ट कहलैन, पर्साके अधिकांश मुद्दामध्ये लागुऔषधसँ सम्बन्धित अइछ । १५ सँ ४५ वर्ष उमेर समूहके युवासभ लागुऔषधक कुलतमे लागल देखाइत अइछ ।,” ओ कहलैन, “देशक लेल आवश्यक युवाशक्ति अपने कुलतमे लागलासँ अइसँ देशकेँ आ परिवारकेँ बेसी क्षति भ रहल अइछ ।”
जिला प्रहरी कार्यालय पर्साक अनुसार आ.व २०७८/७९ मे लागुऔषधसम्बन्धी दु सओ २७ मुद्दा दर्ता छल । जइमे दु सओ ८२ पुरुष आ नौँ महिलाकेँ पकड़ाएल गेल रहए । तहिना, आ.व २०७९/८० मे लागुऔषध सम्बन्धित तीन सओ दुटा मुद्दा दर्ता भेल छल । तइमे तीन सओ ८९ पुरुष आ १३ महिलाकेँ पकड़ाएल छल । तहिना, आव २०८०/८१ मे दु सओ चाइरटा मुद्दा दर्ता भेल । तइमे पुरुष दु सओ ४२ आ महिला १० गोटे पकड़ाएल छल ।
पर्सामे विशेष क गाँजा, चरेस, हेरोइन, अफिम, फेनारगन, डाईजिल्याब, नुर्फिन, नाट्राभेट ट्याब्लेट, कोरेक्सलगायत प्रयोग करैत छइथ । वडा प्रहरी कार्यालय बिर्ताके प्रहरी निरीक्षक निरोज चौलागाईं पर्सा प्रहरी लागुऔषधके दुव्र्यसनीके विरुद्धमे नियमित रुपमे सचेतनामूलक कार्यक्रम करैत आइब रहल बतौलैन । “पर्सा प्रहरी नागरिक समाजसँ सहकार्य क लागुऔषध सम्बन्धित जनचेतनामूलक कार्यक्रम करैत आइब रहल छैथ,” ओ कहलैन, “खुला सीमानाकाक कारण सेहो लागुपदार्थ दुव्र्यसनकेँ नियन्त्रण करबाक ल मुश्किल भ रहल अइछ ।”
संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...
काठमाडौँ : चालु आर्थिक वर्ष पूरा हुन १९ दिन बाँकी हुँदा सरकारले राजश्व संकलनमा लक्ष्यको ७५ दशमलव १७ प्रगति हासिल...
काभ्रेपलाञ्चोक : स्तरोन्नति भइरहेको अरनिको राजमार्गअन्तर्गत धुलिखेल–खावा सडकखण्डलाई तीव्रता दिन असार तेस्रो सातादेखि १५ दिन रातको समयमा सवारीसाधन आवागमनमा रोक...