
काठमाण्डू, ७ अगहन : प्रधानमन्त्री एवं नेकपा (एमाले) क अध्यक्ष केपी शर्मा ओली लगानीमैत्री वातावरण निर्माण भ रहल कहैत लगानी करबाक लेल उद्योगी व्यवसायीसभकेँ आग्रह केलैन अइछ ।
नेकपा (एमाले) काठमाण्डू उपत्यकाक तीन जिला कमिटीद्वारा आइ दरबारमार्गमे आयोजन कएल गेल जागरणसभाकेँ सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री ओली सरकार नेपालमे शान्ति सुरक्षा कायम क ‘समृद्ध नेपाल आ सुखी नेपाली’ बनेबाक अभियानमे रहल बतौलैन । ओ निधोक भ लगानी करबाक लेल आग्रह केलैन ।
“नेपालके आर्थिक अवस्था खराब अवस्थामे छलै । एखनके एमाले–कांग्रेसके सहकार्यमे बनल सरकारक नीति आ योजनाक कारण अर्थव्यवस्थामे सुधार भ रहल अइछ”, प्रधानमन्त्री ओली कहलैन ।
आर्थिक सुशासन आ आर्थिक वृद्धि जाधैर नै हएत देशमे विकाश गति नै लेत, नेपालक उद्योगी व्यवसायीसङे बहुराष्ट्रिय कम्पनीसभकेँ सेहो लगानी करबाक लेल प्रधानमन्त्री ओली आग्रह केलैन । “अहाँसभ लगानी करू, सरकार सुरक्षा आ सुशासनके व्यवस्था करत”, ओ कहलैन ।
संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...
काठमाडौँ : चालु आर्थिक वर्ष पूरा हुन १९ दिन बाँकी हुँदा सरकारले राजश्व संकलनमा लक्ष्यको ७५ दशमलव १७ प्रगति हासिल...
काभ्रेपलाञ्चोक : स्तरोन्नति भइरहेको अरनिको राजमार्गअन्तर्गत धुलिखेल–खावा सडकखण्डलाई तीव्रता दिन असार तेस्रो सातादेखि १५ दिन रातको समयमा सवारीसाधन आवागमनमा रोक...