संविधानअनुसारक अधिकार प्रदेशकेँ भेटबाक चाही : नेता निधि – Naya Bikalpa
June 27, 2026, Saturday      Epaper

संविधानअनुसारक अधिकार प्रदेशकेँ भेटबाक चाही : नेता निधि

धनुषा : नेपाली कांग्रेसक पूर्वउपसभापति विमलेन्द्र निधि सातो प्रदेश सरकारकेँ सम्पन्न बनेबाक लेल संविधानअनुसार प्रदेशकेँ अधिकार भेटबाक चाही बताैलैन ।

महोतरीक कांग्रेसक चर्चित नेता सहिद स्व शिवचन्द्र मिश्रक ८१ म् जन्मयन्तीक अवसरमे महोतरीक लोहरपट्टीमे काइल आयोजित समारोहकेँ सम्बोधन करैत नेता निधी कांग्रेसक नेतृत्वमे बनल संविधान आ तइ भितरके उल्लेखित उपलब्धिसभकेँ बचेबाक लेल कांग्रेसके नेतृत्व आवश्यक अइछ कहलैन। “मधेश सरकार कमजोर भेल कहब गलत छी, कमजोर नियोजित रूपमे बनाएल जा रहल छै, तहिबिरूद्ध आन्दोलन कर पड़त ।”

कांग्रेसक नेतृत्वमे सङ्घीय गणतन्त्रात्मक प्रणालीसहितक संविधान देशके भेटल कहैत ओ स्व शिवचन्द्र मिश्र आ सहिद दुर्गानन्द झासहितक नेता आ योद्धासभक प्रेरणासँ मधेसमे कांग्रेस विरासत बनाैने बात कहलैन ।

गणतन्त्रवादी नेता दुर्गानन्द झाक सहयात्री शिवचन्द्र मिश्र रहल कहैत ओ जेलनेल भोगल बातके स्मरण कराैलैन। निधि स्व मिश्र लोहरपट्टी मात्र नै देशेके सपुत रहल बताैलैन । कांग्रेस महोतरीक सभापति नागेश्वर यादव नेता निधि भौतिक पूर्वाधारमन्त्री भेल समयमे महोतरीमे भेल सडक विकास विस्तारप्रति धन्यवाद व्यक्त केलैन।

लोहरपट्टी नगरपालिकाका मेयर शैलेन्द्र यादव तथा कांग्रेसक अग्रज नेता महेन्द्र मिश्र लोहरपट्टीसहितक क्षेत्रमे आँइखक बेमार बढ़ैत गेलासँ इलाजक लेल एकटा अस्पताल आवश्यक भेल कहैत पहलकदमीक लेल नेता निधीकेँ आग्रह केलैथ ।

सम्बन्धित समाचार

नेपाली कांग्रेसको अभियान तीव्र: भोजपुर र संखुवासभामा अन्तरसंवादमा सह-महामन्त्री डिला संग्रौलाको टोली सक्रिय
नेपाली कांग्रेसको अभियान तीव्र: भोजपुर र संखुवासभामा अन्तरसंवादमा सह-महामन्त्री डिला संग्रौलाको टोली सक्रिय
  • २०८१ कार्तिक २०, ११: ५४

संखुवासभा : नेपाली कांग्रेसभित्र आन्तरिक सुधार, सुशासन र पार्टी रूपान्तरणको मुद्दालाई लिएर देशव्यापी अभियान तीव्र पारिएको छ। यसै क्रममा पार्टीका...

मानवअधिकार आयोगसँग जेनजी आन्दोलनको प्रतिवेदन माग्दै ओलीले पठाए पत्र
मानवअधिकार आयोगसँग जेनजी आन्दोलनको प्रतिवेदन माग्दै ओलीले पठाए पत्र
  • २०८१ कार्तिक २०, ११: ५४

काठमाडौँ : नेकपा एमालेका अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीले राष्ट्रिय मानवअधिकार आयोगमा भदौ २३ र २४ गते भएका घटनासम्बन्धी अनुसन्धान प्रतिवेदन,...

बालबालिकालाई पार्टी सदस्य नबनाउन कांग्रेसको सार्वजनिक अपिल, प्रधानमन्त्रीसँग जवाफ माग
बालबालिकालाई पार्टी सदस्य नबनाउन कांग्रेसको सार्वजनिक अपिल, प्रधानमन्त्रीसँग जवाफ माग
  • २०८१ कार्तिक २०, ११: ५४

काठमाडौं : नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय नीति, अनुसन्धान तथा प्रशिक्षण प्रतिष्ठानअन्तर्गतको बाल अधिकार उपसमितिले १८ वर्षभन्दा कम उमेरका बालबालिकालाई कुनै पनि...