स्वरोजगामूलक शिक्षाक लेल आमुल परिवर्तन करए लेल प्रधानमन्त्रीके जोड़ – Naya Bikalpa
April 30, 2026, Thursday      Epaper

स्वरोजगामूलक शिक्षाक लेल आमुल परिवर्तन करए लेल प्रधानमन्त्रीके जोड़

काठमाण्डू : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली शिक्षाकेँ आधुनिक प्रविधियुक्त, जीवनोपयोगी आ रोजगारमूलक बनाबए आमुल परिवर्तन करबाक चाहीमे जोड़ देलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री निवास, बालुवाटारमे आइ भेल काठमाण्डू विश्वविद्यालय सभाके ९९म् बैसारमे विश्वविद्यालयक कुलपति प्रधानमन्त्री ओली रोजगारी सृजना आ स्वरोजगार होएबला जनशक्ति उत्पादनमे करबामे जोड़ देलैन । एकरा लेल काठमाण्डू विश्वविद्यालय कएने प्रयास सकारात्मक भेल हुनकर कहब छलैन ।

ओ स्वास्थ्य, शिक्षा आ अन्य विषयमे आम विद्यार्थीके पहुँचवृद्धि करए लेल आ चिकित्सा शिक्षामे द रहल ७५ प्रतिशत तकके छात्रवृत्तिके बारेमे पुनःविचार करबाक विचार व्यक्त कएलैन ।

शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री एवम् विश्वविद्यालयके सहकुलपति रघुजी पन्त शैक्षिक सुधार आ रुपान्तरणके लेल प्रधानमन्त्री ओलीके जागरूकता आ चिन्ताकेँ कार्यान्वयन कराबए आग्रह करैत मन्त्रालयक दिससँ नेपालकेँ शैक्षिक हब बनाबए प्रयास कएल जाएबला बतौलैन ।

दीक्षान्तके लेल ग्रेस लिष्ट पारित

बैसार इएह जेठ ३० गते धुलिखेलमे आयोजना होएबला ३०म् दीक्षान्त समारोहके दोसर चरणके कार्यक्रमक लेल विभिन्न स्कुललअन्तर्गत विभिन्न तहमे उपाधि हासिल कएने एक हजार एक सओ २९ विद्यार्थीके ग्रेस–लिष्ट स्वीकृत कएलक अइछ । ग्रेस लिष्टमे एक सओ १८ विदेशी विद्यार्थी छै ।

बैसार रजिष्ट्रार प्रा डा राजीव श्रेष्ठद्वारा प्रस्तुत अगिला आर्थिक वर्ष २०८२/८३ लेल अनुमानित चाइर अरब तीन करोड़ ८० लाख टका बजेटसहितके कार्यक्रम पारित कएलक अइछ । तहिना बितल आर्थिक वर्षके लेखा परीक्षण प्रतिवेदन आ एहि आर्थिक वर्षके कार्यप्रगति प्रतिवेदन पारित भेल अइछ ।

बैसार विश्वव्रिद्यालय सभाक सदस्यक लेल चन्दादाता मध्येसँ रत्ना कोइराला, लब्धप्रतिष्ठित विद्धानमध्येसँ त्रिभुवन विश्वविद्यालय, चिकित्साशास्त्र अध्ययन संस्थानक पूर्वडीन प्राडा दिव्या सिंह, सामुदायिक स्वास्थ्य विशेषज्ञ डा रीता थापा, मध्यपश्चिम विश्वविद्यालयक उपकुलपति प्राडा ध्रुव कुमार गौतम, मनोचिकित्सक अनन्तप्रसाद अधिकारी, विश्वविद्यालयक शिक्षक मध्येसँ डा विकास अधिकारीकेँ मनोनयन करबाक निर्णय कएलक अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

राष्ट्रपतिद्वारा सार्वजनिक खरिदसम्बन्धी अध्यादेश जारी
राष्ट्रपतिद्वारा सार्वजनिक खरिदसम्बन्धी अध्यादेश जारी
  • २०८२ जेष्ठ २९, २१: ३८

काठमाडौं : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलले सार्वजनिक खरिदसम्बन्धी अध्यादेश जारी गरेका छन्  । सरकारको सिफारिसमा राष्ट्रपति पौडेलले सार्वजनिक खरिद (दोस्रो संशोधन)...

जलजलामा जिप दुर्घटना हुँदा १७ जनाको मृत्यु
जलजलामा जिप दुर्घटना हुँदा १७ जनाको मृत्यु
  • २०८२ जेष्ठ २९, २१: ३८

काठमाडौँ : रोल्पाको थवाङस्थित जलजलामा जिप दुर्घटना हुँदा १७ जनाको मृत्यु भएको छ । थवाङ गाउँपालिका-१ जलजलामा रुकुमपूर्वबाट जलजलातर्फ जाँदै...

राष्ट्रपतिद्वारा सहकारीसम्बन्धी अध्यादेश जारी
राष्ट्रपतिद्वारा सहकारीसम्बन्धी अध्यादेश जारी
  • २०८२ जेष्ठ २९, २१: ३८

काठमाडौं : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलले सहकारीसम्बन्धी अध्यादेश जारी गरेका छन् । सरकारको सिफारिसमा राष्ट्रपति पौडेलले आज सहकारीसम्बन्धी अध्यादेश जारी गरेका...