
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ विद्यालय शिक्षा विधेयक वर्तमान सरकारे टाँगिया देलक से आरोप लगौलैन अइछ ।
राष्ट्रिय सभागृहमे आइ माओवादी केन्द्र निकट अखिल (क्रान्तिकारी)द्वारा आयोजित ‘विद्यार्थीसङ कमरेड प्रचण्ड, शैक्षिक संवाद’ कार्यक्रममे अध्यक्ष दाहाल सुरूमे एमाले आ कांग्रेसक कारणे विधेयक आबैमे देरी भेल बतौलैन।
ओ कहलैन, “सरकारक सार्वजनिक शिक्षा सुधार दिस ध्यान नै छै ।”
पूर्वप्रधानमन्त्री सेहो रहल अध्यक्ष दाहाल विद्यार्थीक लिखित प्रश्नक जवाब दैत काल संसदसँ विद्यालय शिक्षा विधेयक पारित भेलापर आ उच्चस्तरीय शिक्षा सुधार आयोगक सुझाव कार्यान्वयन भेलापर वर्तमान शिक्षाक समस्या बहुत हदधैर हल भ जेतै सेहो कहलैन।
अध्यक्ष दाहाल अपन नेतृत्वक सरकार रहैत काल विश्वविद्यालयमे होएबला राजनीतिक भर्ती केन्द्रकेँ तोइड़ क मेरिटोक्रेसीमे नियुक्तिक शुरुआत कएने बतौलैन।
ओ कहलैन, “शिक्षा पूर्वाधारक सेहो पूर्वाधार छी, शिक्षामे सुधार कएने बिना अन्य क्षेत्रमे सुधार नै कएल जा सकैत छै, ताहि लेल आब दोसर क्रान्ति चाही से हम कहने छी, ओएह क्रान्ति सशस्त्र क्रान्ति छियै ।”
ओ शिक्षामे आमूल परिवर्तनक लेल सामूहिक सङ्कल्प आ प्रतिबद्धताक आवश्यकता रहल बतौलैन। अखन विद्यालय शिक्षा विधेयक पारित भ क ऐन बनलापर बहुत रास समस्या हल भ जाएत तँए जल्दीसँ जल्दी कार्यान्वयनमे ल जाएब जरूरी रहल बतौलैन।
संघीयताको सुदृढीकरणसँगै जनचाहना अनुसार सामान्य नागरिकहरुको समेत पहुच र अभिभावकिय भुमिकामा रहेको प्रादेशिक सरकारहरु अव्वल रुपमा अगाडि वढिरहेका छन ।...
काठमाडौँ । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी को प्रथम महाधिवेशनअन्तर्गत केन्द्रीय सदस्य चयनका लागि मतदान आज राति साढे ८ बजेदेखि सुरु हुने...
काठमाडौं : नेपाली कांग्रेसले क्रियाशील सदस्यता वितरण अभियानअन्तर्गत नयाँ क्रियाशील सदस्यता वितरणलाई प्रभावकारी बनाउन ७७ वटै जिल्लाका लागि केन्द्रीय प्रतिनिधि...