
काठमाण्डू : दूरसञ्चार सेवाप्रदायक एनसेल इन्टरप्राइज ग्राहकक सुरक्षाकेँ आओर सुदृढ बनेबाक लेल साइबर सुरक्षासँ सम्बन्धित युरोपेली कम्पनी विथसेक्योरसँ साझेदारी कएने अइछ । ओइ साझेदारी मार्फत एनसेल बिजनेस नेपाली व्यवसायकेँ साइबर जोखिमक खतरासँ बचेबाक लेल भूमिका खेलत ।
एनसेल अनुसार विथसेक्योर इन्डप्वाइन्ट डिभाइस सुरक्षा, डिटेक्सन आ रेस्पोन्स (इडिआर/एक्सडिआर), क्लाउड सुरक्षा, असुरक्षित व्यवस्थापन, इमेल सुरक्षा आ चुनौती सहितक समस्या समाधानमे सेवा प्रवाह करत । अइसँ पछिला समय बढ़ैत डिजिटल सेवाकेँ आओर सुरक्षित बनेबाक लेल सहयोग भेटत ।
आइ एत आयोजित साइबर भिजन, २०२५ कार्यक्रममे एनसेलक प्रमुख इन्टरप्राइज बिजनेस अधिकृत डिओन एसेन्सियो विथसेक्योरसँ सहकार्यसँ व्यवसायकेँ सुरक्षित बनेबाक लेल आओर सहयोग पुगल बतौलैन। “एनसेल बिजनेस अपन इन्टरप्राइज सेवाकेँ आओर सुरक्षित बनेबाक लेल विथसेक्योरसँ सहकार्य कएने अइछ, अइसँ विश्वस्तरक साइबर सुरक्षा प्रदान करत ।”
विथसेक्योरक उपाध्यक्ष पाओलो पालुम्बो विथसेक्योर एक साइबर सुरक्षा प्रदायक कम्पनी भेल उल्लेख करैत एनसेलसँ दीर्घकालीन साझेदारीसँ नेपाली इन्टरप्राइजेजक साइबर सुरक्षामे आओर सहयोग हेत से विश्वास व्यक्त केलैन ।
काठमाडौं । प्रधानमन्त्री बालेन्द्र (बालेन) शाह दुईदिने राजकीय भ्रमणका लागि भारत पुगेका छन् । भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीको निमन्त्रणामा प्रधानमन्त्री...
काठमाडौं : नेपाली राष्ट्रिय पुरुष क्रिकेट टोलीले कतारमा जारी एसिया कप राइजिङ स्टार्स एकदिवसीय क्रिकेट प्रतियोगितामा पहिलो जित निकालेको छ...
काठमाडौं : प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह दुईदिने भारत भ्रमणका लागि आज नयाँ दिल्ली आइपुगेका छन् । इन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमा उनलाई...