टेलिकम अपन काजके समीक्षा क आगाँ बढ़ए पड़त: मन्त्री गुरूङ – Naya Bikalpa
April 14, 2026, Tuesday      Epaper

टेलिकम अपन काजके समीक्षा क आगाँ बढ़ए पड़त: मन्त्री गुरूङ

काठमाण्डू : सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वी सुब्बा गुरूङ नेपाल टेलिकम (नेपाल दूरसंचार कम्पनी लिमिटेड) अपन काजके समीक्षा क आगाँ बढ़ए पड़बाक कहलैन अइछ ।

टेलिकमक २१म् वार्षिकोत्सवक अवसरमे आयोजित कार्यक्रममे मन्त्री गुरूङ कहलैन “टेलिकमके आमदनी हर बरख घटैत जा रहल छै आ निजी क्षेत्रक कम्पनिसभ आगाँ आइब रहल अइछ, एहि लेल टेलिकमकेँ गहिर समीक्षा करबाक जरूरी अइछ।”

सरकारक प्रवक्ता मन्त्री गुरूङ कहलैन, “सरकारी कम्पनीसभमे टेलिकमप्रति हमसभ गर्व क रहल छी, मुदा प्रतिस्पर्धात्मक बाजारमे अइ तरहे टेलिकम नै चलत । जँ अहाँसभ एखन समीक्षा नै कएब तँ भविष्यमे पछताए पड़त।”

मन्त्री गुरूङ कहलैन जे टेलिकम बढ़ैत प्रविधीकेँ अपनाके सेवा विस्तार करैत निजी क्षेत्रसँ प्रतिस्पर्धा करबाक चाही । ओ कहलैन “टेलिकममे कमसँ कम २५ प्रतिशत शेयर जनताके रहबाक चाही, जाहिसँ ई संस्थाक जनताप्रति उत्तरदायी बनत।”

ओ कहलैन, “सुशासनसँ जुड़ल विषय ई-गवर्नेंस अइछ, ताहि लेल 4G सेवा गाम-गामधैर पहुँचब जरूरी अइछ। जँ ई काज भ गेल तँ ओहि क्षेत्रके विकाश बहुत तेजीसँ हएत ।”

मन्त्री गुरूङ कहलैन जे अखनो ग्रामीण क्षेत्रसभमे टेलिकमके टावरमे समस्या अइछ, एहि लेल टेलिकमकेँ गुणस्तरीय आ प्रभावी सेवाप्रदान करबाक दिशामे आगाँ बढ़बाक निर्देशन देल गेल छै।

ओ कहलैन “मधेश क्षेत्रके २२ टा जिलामे टेलिकमक उपस्थिति कमजोर छै, एहि साल मधेशमे टेलिकमके समुचित पूर्वाधार विकाश करबाक आ निर्बाध सेवा प्रवाह करबाक निर्देशन देल गेल अइछ।”

मन्त्री गुरूङ जानकारी देलैन जे सामाजिक मीडियाके प्रबंधन करबाक लेल सरकार ‘सामाजिक मीडिया प्रयोग आ नियमन विधेयक’ संसद्मे पेश केने अइछ। नेपालकेँ ‘आईटी हब’ बनेबाक उद्देश्यसँ संचार, सूचना आ प्रविधीसँ जुड़ल कानूनसभमे सुधार करबाक तैयारी चइल रहल अइछ।

संचार मन्त्रालयक सचिव आ टेलिकमक अध्यक्ष राधिका अर्याल टेलिकम विकट गामसभमे सेवा विस्तार क रहल आ डिजिटल नेपाल बनाबैमे सरकारक योजनामे सहयोग द’ रहल बताैलैन ।

सम्बन्धित समाचार

नेपाल–भारत सहकार्यमा प्रसौनिको बेङ्गा साह माविमा विद्यालय तथा पुस्तकालय भवनको शिलान्यास
नेपाल–भारत सहकार्यमा प्रसौनिको बेङ्गा साह माविमा विद्यालय तथा पुस्तकालय भवनको शिलान्यास
  • २०८१ माघ २२, २०: ५४

वीरगञ्ज : नेपाल–भारत विकास सहकार्यअन्तर्गत बारा जिल्लाको प्रसौनी गाउँपालिका–२ स्थित श्री बेङ्गा साह माध्यमिक विद्यालय तथा पुस्तकालय भवन निर्माण कार्य...

नयाँ वर्षको पहिलो दिन पशुपतिनाथ मन्दिरमा लाखौं भक्तजनले गरे दर्शन
नयाँ वर्षको पहिलो दिन पशुपतिनाथ मन्दिरमा लाखौं भक्तजनले गरे दर्शन
  • २०८१ माघ २२, २०: ५४

काठमाडौं : आजदेखि विसं २०८३ प्रारम्भ भएको छ । नयाँ वर्षलाई उत्साह, नयाँ उमङ्ग र नयाँ सुरुआतका रूपमा पनि लिने...

आज नयाँ वर्ष : हर्षोल्लासका साथ मनाइँदै
आज नयाँ वर्ष : हर्षोल्लासका साथ मनाइँदै
  • २०८१ माघ २२, २०: ५४

काठमाडौं : आजदेखि विसं २०८३ प्रारम्भ भएको छ । नयाँ वर्षलाई उत्साह, नयाँ उमङ्ग र नयाँ सुरुआतका रूपमा पनि लिने...