
काठमाण्डू : प्रतिनिधि सभा अन्तर्गत सार्वजनिक लेखा समितिद्वारा पोखरा क्षेत्रीय अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलक सन्दर्भमे गठन कएल उपसमितिद्वारा बुझाएल गेल प्रतिवेदन अध्ययनक लेल सदस्यसभकेँ वितरण कएल गेल अइछ। आगाँक बैसारमे ओहि प्रतिवेदनपर चर्चा करबाक निर्णय सेहो लेल गेल अइछ।
आइ समितिक सभापति ऋषिकेश पोखरेलक अध्यक्षतामे बसल बैसारमे भैरहवा विमानस्थलक सन्दर्भमे गठन कएल उपसमितिक संयोजक योगेश भट्टराईद्वारा ओहि समितिमे नै बसबाक घोषणा पश्चात् नव संयोजक चयन क उपसमितिके शीघ्र प्रतिवेदन बुझेबाक निर्देशन देबाक निर्णय लेल गेल अइछ।
ई दुनू विमानस्थल निर्माणमे अनियमितता आ आर्थिक अपचलन भेल छै से जनबैत समिति समक्ष उजुरी आएलाक बाद अध्ययन उपसमिति बनाकए खोजबिन कएल गेल छल। ओहि क्रममे पोखराक लेल समिति सदस्य राजेन्द्र लिङ्देन आ भैरहवाक लेल भट्टराईकेँ संयोजक बनाएल गेल छल।
पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालयक जिमेवारीमे रहैत काज कएल जा रहल छल से देखैत उपसमितिक संयोजक पदसँ अलग भ खोजबिनमे सहयोग देबाक बात उठाएल गेल छल, तकर बाद भट्टराई संयोजक पदसँ अलग होएबाक घोषणा कएलैन।
बैसारमे समितिक तेइसम वार्षिक प्रतिवेदन तैयार क एहि महिनाक अन्तर्गत संसदमे पेश करबाक निर्णय लेल गेल अइछ आ तहिना आइधैर उपसमितिसभद्वारा तैयार कएल गेल प्रतिवेदनसभके अनुमोदन करबाक निर्णय सेहो भेल, सभापति पोखरेल जानकारी देलैन।
काठमाडौं : काठमाडौं उपत्यकामा आपराधिक गतिविधि नियन्त्रण तथा शान्तिसुरक्षा कायम गर्ने उद्देश्यले नेपाल प्रहरीले सञ्चालन गरेको विशेष ‘स्विप अपरेसन’ मा ७५...
काठमाडौं : साउदी अरबको पूर्वी क्षेत्रमा ड्रोनको भग्नावशेष खस्दा एक नेपाली श्रमिकको मृत्यु भएपछि नेपाली राजदूतावास रियादले साउदी अरबमा कार्यरत...
काठमाडौं : स्थानीय बजारमा आज सुनको मूल्य तोलामा ८०० रुपैयाँले बढेको छ भने चाँदीको मूल्य २५ रुपैयाँले घटेको छ । नेपाल...