कलाकारसभसँ सभामुख घिमिरेक अन्तरक्रिया – Naya Bikalpa
August 9, 2026, Sunday      Epaper

कलाकारसभसँ सभामुख घिमिरेक अन्तरक्रिया

काठमाण्डू : प्रतिनिधिसभाक सभामुख देवराज घिमिरे ‘इन्ट्रा नेसनल वेलफेयर एन्ड सपोर्ट फाउन्डेसन अफ अमेरिका’क आयोजनामे सञ्चालित पहिल अन्तर्राष्ट्रीय नेपाली रियालिटी शो ‘हमर भ्वाइस युनिभर्स’ आ ‘हमर डान्स युनिभर्स’क कलाकारसभसँ अन्तरक्रिया केलैन अइछ।

कार्यक्रममे सभामुख घिमिरे कहलैन ”‘हाम्रो भ्वाइस युनिभर्स’ आ ‘हाम्रो डान्स युनिभर्स’ जकाँ सांस्कृतिक कार्यक्रमसभ विश्वभैर पसरल नेपाली समुदायक कला, संस्कृति आ प्रतिभाकेँ अन्तर्राष्ट्रीय स्तरपर उजागर करबामे महत्वपूर्ण योगदान देलक अइछ।

ओ कहलैन, “एहन कार्यक्रमसभ नेपाली भाषा, संस्कार आ सङ्गीतकेँ प्रवासमे मात्र नै, विश्व मञ्चपर सेहो पहिचान दिएबाक अवसर प्रदान कएलक अइछ।” नवका पीढ़ीमे नेपाली भाषा आ सांस्कृतिक गाैरवके भावना जागृत करबामे एहन सिर्जनात्मक प्रयास प्रभावकारी होएबाक विश्वास व्यक्त करैत ओ कहलैन, “प्रवासमे रइह रहल नेपालीक सामाजिक एकता, सांस्कृतिक संरक्षण आ देशक विकासमे होएबला योगदानक उच्च मूल्याङ्कन करबाक चाही।”

इन्ट्रा नेसनल वेलफेयर एन्ड सपोर्ट फाउन्डेसन अफ अमेरिकाक कार्यकारी निर्देशक चुणामणि भट्टराई जानकारी देलैन जे दक्षिण अफ्रिका आ अन्टार्कटिका छोइड़ संसारभैरक नेपालीसभ ई अभियानसँ प्रत्यक्ष वा अप्रत्यक्ष रूपसँ जुड़ल छैथ। ओ कहलैन, “लगभग ६० देशक नेपालीसभ एहिमे योगदान कएने छैथ। ताहि देशक नेपाली मूलक कलाकार नेपाल आएल छल। एखनो ७ देशक कलाकार उत्कृष्ट १० भितर चयनित भेल छैथ।”

सार्वजनिक सेवा प्रसारण संस्था (पीएसबी) क सञ्चालक सदस्य फुलमान बल कहलैन जे दुनू रियालिटी शो सांस्कृतिक आ राष्ट्रियता बीचक सम्बन्धकेँ जोड़बामे सफल भेल अइछ।

इन्ट्रा फाउन्डेसनक नेपाल च्याप्टर अध्यक्ष बाबुकृष्ण कार्की कहलैन जे दुनू रियालिटी शो मार्फत विश्वभैर रहल नेपाली समुदायक कला, प्रतिभा आ सांस्कृतिक सम्पदाकेँ अन्तर्राष्ट्रीय स्तरधैर पहुँचाबक उद्देश्यमे सफलता प्राप्त भेल अइछ।

कार्यक्रममे दुनू रियालिटी शोमे उत्कृष्ट १०मे रहल सफल कलाकार, प्रशिक्षक, कोरियोग्राफर सहित ४०सँ बेसी प्रतिनिधि सहभागी छल।

सम्बन्धित समाचार

रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
  • २०८२ श्रावण ४, २१: १४

काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...

तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
  • २०८२ श्रावण ४, २१: १४

कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...

गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
  • २०८२ श्रावण ४, २१: १४

रसुवा : जिल्लाको प्रख्यात तीर्थस्थल गोसाइँकुण्डमा हरेक वर्ष जनपूर्णिमाका दिन लाग्ने मेलालाई लक्षित गरी तीव्र गतिमा तयारी थालिएको छ ।...