
काठमाण्डू : नेपाली कांग्रेसक नेता डा. शेखर कोइराला जननायक बिपी कोइरालाक प्रजातान्त्रिक समाजवादक विचार नेपालमे मात्र नै, विश्वक लेल सेहो सान्दर्भिक रहल बताैलैन अइछ।
बिपी कोइरालाक ४३अम स्मृति दिवसक अवसरमे आइ बिपी स्मृति अस्पताल, बिपी स्मृति प्रतिष्ठान आ कांग्रेसक खेलकुद विभागद्वारा संयुक्त रूपसँ आयोजित ‘देश विकास आ देशवासीक उन्नतिक आधार बिपी’ विषयक अन्तर्क्रियामे ओ बिपीक विचारपर एखन देश आगू बइढ़ रहल अइछ से बताैलैन।
“बिपीक विचारकेँ कांग्रेस छोइड़ देलक से चारू कात सुनल जाइत छै, मुदा कांग्रेस बिपीक विचार नै छोड़ने छै, आइयो देश बिपीक प्रजातान्त्रिक समाजवादपर आगू बढ़ल अइछ”, ओ कहलैन। डा. कोइराला बिपी कोइरालाक अन्तर्राष्ट्रीय छवि नीक रहल बताैलैन।
स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री प्रदीप पौडेल नेपालक लोकतान्त्रिक राजनीतिकके जग बिपी कोइराला निर्माण केलैन से कहलैन। नेपाली समाजवादक आधार आ बहुदलवाद बिपी कोइरालाद्वारा सुरू भेल हुनकर कहब छल।
युवा तथा खेलकुदमन्त्री तेजुलाल चौधरी बिपीक विचारकेँ आत्मसात् क आगू बढ़लापर मात्र देश विकास गति लेत से बताैलैन। बिपी स्मृति अस्पतालक अध्यक्ष उमेशजङ्ग रायमाझी नेपालक राष्ट्रनायक बिपी कोइराला रहल बताैलैन। ओ बिपी कोइरालाकेँ शिक्षा, स्वास्थ्य, साहित्य सहितक क्षेत्रसँ सदैव स्मरण करैत आएल उल्लेख केलैन।
काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...
कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...
रसुवा : जिल्लाको प्रख्यात तीर्थस्थल गोसाइँकुण्डमा हरेक वर्ष जनपूर्णिमाका दिन लाग्ने मेलालाई लक्षित गरी तीव्र गतिमा तयारी थालिएको छ ।...