
काठमाण्डू : प्रतिनिधिसभाक सभामुख देवराज घिमिरे कहलैन जे मातृभाषामे पत्रकारितासँ अभिव्यक्ति तथा प्रेस स्वतन्त्रताक अभ्यासकेँ मजबुति भेटल अइछ ।
बृहस्पतिदिन नेवाः पत्रकार राष्ट्रिय दबूकेँ पदाधिकारीसभद्वारा देल गेल अन्तर्राष्ट्रीय मातृभाषा पत्रकारिता सम्मेलनक प्रतिवेदन बुझैत ओ कहलैन, “बहुजातीय, बहुभाषिक देशमे राज्यप्रति सभक अपनत्व, संघीयताक प्रवर्द्धनक लेल मातृभाषामे पत्रकारिताक महत्त्वपूर्ण भूमिका रहैत अइछ । ई सम्मेलन ओकर भूमिकाकेँ उजागर कएने अइछ ।”
ओ सम्मेलनक निष्कर्ष, उठाएल गेल बहसकेँ कानून निर्माणमे, राज्यक व्यवहारमे कार्यान्वयन करबाक लेल पहल करबाक प्रतिबद्धता जतौलैन। “देशी-विदेशी पत्रकारसभक सहभागितामे अहाँसभद्वारा सम्पन्न कएल गेल सम्मेलनक अपन महत्त्व आ विशेषता अइछ । अइसँ आएल निष्कर्षकेँ कार्यान्वयन करबामे पूर्ण सहयोग करब,” ओ कहलैन ।
पत्रकार राष्ट्रिय दबू बितल जेठ ३० आ ३१ गते ‘मातृभाषा संरक्षणक लेल पत्रकारिता’ सम्मेलनक आयोजन कएने छल । ओ सम्मेलनमे बंगलादेश, भारतक विभिन्न प्रान्त आ नेपालक पत्रकारसभक सहभागिता छल । सम्मेलन समावेशी पत्रकारिताक विकास, समग्र पत्रकारिताक विकासमे मातृभाषा पत्रकारिताक महत्त्व आ आवश्यकतासम्बन्धी विविध निष्कर्ष निकालने छल ।
सिंहदरबार स्थित सभामुखक कार्यकक्षमे भेल भेटघाटमे नेवाः पत्रकार राष्ट्रिय दबूक केन्द्रीय अध्यक्ष नृपेन्द्रलाल श्रेष्ठ, वरिष्ठ उपाध्यक्ष सुनील महर्जन, महासचिव केके मानन्धर तथा सदस्यद्वय पूर्णभक्त दुवाल आ विकास माली सहितक उपस्थित छल । नेपालक प्रथम मातृभाषी पत्रकार धर्मादित्य धर्माचार्यद्वारा सुरू कएल पत्रकारिता एक सओ वर्ष पहुँचलाक उपलक्ष्यमे राष्ट्रिय दबू सम्मेलन कएने छल ।
समावेशी सञ्चार आ मातृभाषा पत्रकारिताके विकासक लेल नेवाः पत्रकार राष्ट्रिय दबू १३ वर्षसँ निरन्तर वकालत करैत आएल अइछ ।
काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...
कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...
रसुवा : जिल्लाको प्रख्यात तीर्थस्थल गोसाइँकुण्डमा हरेक वर्ष जनपूर्णिमाका दिन लाग्ने मेलालाई लक्षित गरी तीव्र गतिमा तयारी थालिएको छ ।...