महिलाक लेल अनुकूल नै छै सिरहाक कारागार – Naya Bikalpa
August 9, 2026, Sunday      Epaper

महिलाक लेल अनुकूल नै छै सिरहाक कारागार

सिरहा : महिला कैदीबन्दीके संवेदनशीलता आ सुरक्षाक ध्यानमे राइख ‘महिलामैत्री’ कारागारक आवश्यकता बारम्बार उठैत रहल अइछ । मुदा सिरहाक कारागारमे अखनधैर एहन कोनो सुविधा उपलब्ध नै अइछ ।

महिला कैदीबन्दीके लेल अलग संरचना नै होएब, बनाएल गेल भवनमे आवश्यक संरचनाक कमी आ वर्तमान कारागारक भीड़भाड़क कारण ई समस्या आओर जटिल भ गेल कारागार प्रशासक सुवोध कुमार महतो बतौलैन। हुनक कहब अनुसार महिला कैदी तथा बन्दीकेँ राखै लेल अलग प्रकारके कारागार नै छै । एक महिना पहिनेसँ एतकेँ महिला कैदीबन्दीकेँ दोसर ठाम स्थानान्तरण कएल गेल अइछ ।

महिला कैदीक लेल अलग आवासीय भवन, पर्याप्त आ सुरक्षित शौचालय तथा स्नानगृह, शिशु सहितक महिलाक लेल बाल संरक्षण कक्ष, सुरक्षित भेटघाट कक्ष आ गोपनीयता सुनिश्चित करबाक सुविधा आवश्यक मानल जाइत अइछ ।

अधुर भवन, अपूर्ण योजना

मधेश प्रदेश सरकारक आर्थिक वर्ष २०८१/८२ क बजेट अन्तर्गत लगभग ६० लाख टकाके लागतमे महिला कैदीबन्दीक लेल एकटा नव भवन निर्माण सुरू कएल गेल छलै मुदा अखनधैर ओ अधुरे अइछ । आ ओइ भवनमे महिलामैत्री आवश्यक संरचना सेहो नै अइछ । कारागार प्रशासक महतो कहलैन, “कम्पाउण्ड वाल, खानि-पानीक सुविधा, शौचालय, सेफ्टीट्याङ्की, सेन्ट्री पोष्ट, भेटघाट कक्ष एतेक नै बनैधैर ओ भवन प्रयोगविहीन रहत ।”

आओर चिन्ताक विषय तँ ई छै जे ओइ भवनमे प्रयोग कएल गेल झ्याल शीशाके छै, जे सुरक्षाक दृष्टिकोणसँ अत्यन्त जोखिमपूर्ण मानल जाइत छै । महतो कहैत छैथ, “ओइ शीशाकेँ फोइड़ क अवांछित क्रियाकलाप भ सकैत छै तथा विभिन्न घटना होबाक सम्भावना रहैत छै । किए आ कोना क ओ प्रयोग कएल गेल, हमरा थाह नै भेल । हम एत प्रमुख बइन क आएला डेढ़ महिना मात्रे भेल छै ।”

जीर्ण संरचना आ क्षमतासँ बेसी कैदी

सिरहाक मुख्य कारागार २०२८ सालमे बनल छल, जे अखनधैर स्तरोन्नत नै कएल गेल अइछ । पुरान संरचना, अपर्याप्त सुविधा आ कैदीबन्दीक अत्यधिक संख्यासँ स्थिति आओर भयावह भ गेल अइछ ।

ई कारागारक क्षमता मात्र १५० गोटेक अइछ मुदा अखन एत ४४२ गोट कैदीबन्दी राखल गेल अइछ । साओन ४ गते कारागार भितरे आन्तरिक प्रशासनके नाइके तोकबाक विषयमे कैदीबन्दीक बीच झड़प भेलासँ १३ गोट घायल भ गेल छल । अखन हुनकासभके काठमाण्डूमे इलाज भ रहल कारागार प्रशासक महतो जानकारी देलैन ।

सम्बन्धित समाचार

रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
रास्वपाले भदौदेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ कार्यक्रम सञ्चालन गर्ने, मन्त्रीहरूले नागरिकसँग प्रत्यक्ष संवाद गर्नुपर्ने
  • २०८२ श्रावण ९, २१: २५

काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...

तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
तीन दिनदेखि बेपत्ता कपिलवस्तुका पूर्वमेयर किरण सिंह मृत फेला
  • २०८२ श्रावण ९, २१: २५

कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...

गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
गोसाइँकुण्डमा जनै पूर्णिमा मेलाको तयारी
  • २०८२ श्रावण ९, २१: २५

रसुवा : जिल्लाको प्रख्यात तीर्थस्थल गोसाइँकुण्डमा हरेक वर्ष जनपूर्णिमाका दिन लाग्ने मेलालाई लक्षित गरी तीव्र गतिमा तयारी थालिएको छ ।...