
काठमाण्डू : पछिला आर्थिक वर्ष २०८१/८२मे वार्षिक औसत उपभोक्ता मुद्रास्फीति चाइर दशमलव शून्य छ प्रतिशत रहल अइछ ।
नेपाल राष्ट्र बैंकद्वारा आइ सार्वजनिक कएल गेल पछिला आर्थिक वर्षक वार्षिक तथ्याङ्कमे आधारित देशक आर्थिक तथा वित्तीय स्थिति प्रतिवेदन अनुसार, मूल्यवृद्धि वाञ्छित सीमाक भीतर देखल गेल छै, मुदा गैर-खाद्य वस्तुसँ बेसी दैनिक उपभोग्य खाद्य वस्तुमे मूल्य बढ़ल अइछ ।
राष्ट्र बैंकक अनुसार, आगिला आर्थिक वर्षक तुलनामे पछिला आर्थिक वर्षमे खाद्य तथा पेयपदार्थ समूह अन्तर्गत तरकारी उपसमूहक मूल्यवृद्धि १० दशमलव ७१, घी तथा तेल ८ दशमलव ७२, दाइल तथा गेडागुडीक ७ दशमलव ९० आ खाद्य तथा खाद्यजन्य पदार्थक ६ दशमलव १३ प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ ।
मरमसला उपसमूहक मूल्य सूचकाङ्क दू दशमलव ६२ प्रतिशत आ माछ तथा माउसकेँ शून्य दशमलव ३४ प्रतिशतसँ घटल देखल गेल अइछ । गैर-खाद्य तथा सेवा समूह अन्तर्गत विविध वस्तु तथा सेवासभ उपसमूहक मूल्यवृद्धि नौ दशमलव ३९, कपड़ाजन्य तथा जुत्ता-चप्पलक छ दशमलव शून्य नौ, मदिराजन्य पेय पदार्थक पाँच दशमलव ६५, फर्निसिङ तथा घरेलु उपकरणक चाइर दशमलव ७८ आ सुर्तीजन्य पदार्थक चाइर दशमलव ३७ प्रतिशत रहल अइछ ।
ओहिना, पछिला आर्थिक वर्षमे खाद्य तथा पेय पदार्थ समूहक वार्षिक औसत उपभोक्ता मुद्रास्फीति चाइर दशमलव ६९ प्रतिशत रहल, राष्ट्र बैंक जनौलक अइछ । आगाँक आर्थिक वर्षमे ओइ समूहक मुद्रास्फीति छ दशमलव ४७ प्रतिशत छल ।
गैर-खाद्य तथा सेवा समूहक वार्षिक औसत उपभोक्ता मुद्रास्फीति तीन दशमलव ७१ प्रतिशत अइछ । आगाँक आर्थिक वर्षमे ओइ समूहक मुद्रास्फीति चाइर दशमलव ६४ प्रतिशत छल ।
पछिला आर्थिक वर्षमे काठमाण्डू उपत्यकाक वार्षिक औसत उपभोक्ता मुद्रास्फीति तीन दशमलव ७७, तराईके चाइर दशमलव १४, पहाड़के तीन दशमलव ८६ आ हिमालक चाइर दशमलव ८९ प्रतिशत रहल, राष्ट्र बैंकद्वारा आइ सार्वजनिक कएल गेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।
ग्रामीण क्षेत्रक वार्षिक औसत उपभोक्ता मूल्य सूचकाङ्क चाइर दशमलव ४० प्रतिशत आ शहरी क्षेत्रक तीन दशमलव ९४ प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ ।
प्रदेशगत रूपमे कोशीक वार्षिक औसत उपभोक्ता मुद्रास्फीति पाँच दशमलव ४६, मधेशक चाइर दशमलव १४, बागमतीक तीन दशमलव ५७, गण्डकीक तीन दशमलव ३२, लुम्बिनीक तीन दशमलव ७०, कर्णालीक तीन दशमलव ३१ आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक पाँच दशमलव शून्य दू प्रतिशत अइछ ।
काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...
कपिलवस्तु । कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर किरण सिंह जंगलमा मृत अवस्थामा फेला परेका छन्। गत शुक्रबार दिउँसोदेखि सम्पर्कविहीन रहेका सिंहको शव...
कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...