
काठमाण्डू : प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली जनवादी गणतन्त्र चीनक राष्ट्रपति सी चिनफिङक मैत्रीपूर्ण निमन्त्रणमे साङ्घाई सहयोग सङ्गठन (एसइओ) शिखर सम्मेलनमे भाग लेबाक लेल नेपाली प्रतिनिधिमण्डलक नेतृत्व करैत चीन भ्रमणपर जेबाक कार्यतालिका सार्वजनिक भेल अइछ।
प्रधानमन्त्री ओली ओइ शिखर सम्मेलन तथा चीनक जनयुद्धमार्फत जापानी आक्रमण विरुद्धके प्रतिरोध आ विश्व फासीवाद विरोधी युद्धमे विजयके ८० म् वार्षिकोत्सवमे सहभागि होबाक लेल अइ भादब १४ गते चीनदिस प्रस्थान करबाक जानकारी परराष्ट्र मन्त्रालयद्वारा आइ जारी विज्ञप्तिमे देल गेल अइछ।
प्रधानमन्त्रीद्वारा ओली चीनक राष्ट्रपति सी चिनफिङसँ तिआन्जिनमे भेटवार्ता कएल जाएत। ओ सेप्टेम्बर १मे तिआन्जिनमे आयोजना होएबला शिखर सम्मेलनकेँ सम्बोधन करत। ओइ अवसरमे प्रधानमन्त्री ओली शिखर सम्मेलनमे सहभागी किछु विश्व नेतासभसँ सेहो भेटवार्ता करत। तहिना, प्रधानमन्त्री ओली सेप्टेम्बर २मे बेइजिङमे चीनक उपराष्ट्रपति हान झेङसँ भेटवार्ता करत।
प्रधानमन्त्री ओली सेप्टेम्बर ३मे बेइजिङमे आयोजना होएबला जापानी आक्रमण विरुद्धके प्रतिरोध युद्ध आ विश्व फासिवाद विरोधी युद्धमे विजयक ८०म् वार्षिकोत्सवक स्मृति कार्यक्रममे सहभागि होएत।
प्रधानमन्त्री ओलीक सङ हुनक धर्मपत्नी श्रीमती राधिका शाक्य, शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री रघुजी पन्त, संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री बद्री प्रसाद पाण्डे, नेपाली कांग्रेसक सांसद पूर्णबहादुर खड्का, प्रधानमन्त्रीक आर्थिक तथा विकास सल्लाहकार डा युवराज खतिवाड, नेकपा (एमाले) क सांसद छविलाल विश्वकर्मा आ उच्चस्तरीय सरकारी अधिकारीसभ रहबाक मन्त्रालय जानकारी देने अइछ। प्रधानमन्त्री ओली भादब १८ गते स्वदेश घुरताह।
काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...
कपिलवस्तु । कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर किरण सिंह जंगलमा मृत अवस्थामा फेला परेका छन्। गत शुक्रबार दिउँसोदेखि सम्पर्कविहीन रहेका सिंहको शव...
कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...