
काठमाण्डू : नेपालमे ग्रीन हाइड्रोजन प्लान्ट आ इन्धन सेल प्लान्ट स्थापना करबाक लेल सम्झाैतापर हस्ताक्षर भेल अइछ। लगानी बोर्ड नेपाल आ दक्षिण कोरियाली कम्पनी जि–फिलोस कम्पनी लिमिटेडक बीच हरित हाइड्रोजन प्लान्ट आ इन्धन सेल प्लान्ट स्थापना करबाक सम्बन्धमे विस्तृत सम्भाव्यता अध्ययन प्रतिवेदन तैयार करबाक लेल आधिकारिक रूपसँ सम्झाैता पत्र (एमओयु)पर हस्ताक्षर भेल अइछ।
समझदारी पत्रपर लगानी बोर्डक दिससँ प्रमुख कार्यकारी अधिकृत (सिइओ) सुशील ज्ञवाली तथा प्रस्तावक कम्पनी जि–फिलोस कम्पनी लिमिटेडक दिससँ प्रमुख कार्यकारी अधिकृत गा वू पार्क आइ हस्ताक्षर केलैन। ओइ समझदारी अनुसार प्रस्तावक कम्पनी जि–फिलोस कम्पनी लिमिटेड लगानी बोर्डसँ सर्वेक्षण अनुमतिपत्र प्राप्त कएलाक बाद विस्तृत सम्भाव्यता अध्ययन प्रतिवेदन तैयार क लगभग १० महिना भितर लगानी बोर्डक कार्यालयमे प्रस्तुत करत। लगानी बोर्डक अनुसार अध्ययन प्लान्ट स्थापनाक लेल सात अरब टका लगानी होएत। कम्पनी प्रारम्भिक चरणमे २० मेगावाट क्षमताक ग्रीन हाइड्रोजन उत्पादन करबाक प्रस्ताव कएने अइछ।
लगानी बोर्डक कार्यालयक सहसचिव बाबुराज अधिकारीक अनुसार प्रस्तावक कम्पनी जि–फिलोस कम्पनी लिमिटेड नेपालमे सार्वजनिक–निजी साझेदारी ढाँचामे ग्रीन हाइड्रोजन तथा फ्युल सेल प्लान्ट स्थापना, विकास तथा सञ्चालनक लेल बिगत बैशाख १५ गते लगानी बोर्डक कार्यालयमे प्रस्ताव प्रस्तुत भेल छल, जकर बाद लगानी बोर्डक ६३अम बोर्ड बैसार उल्लेखित प्रस्तावक कम्पनीसँ समझदारी क सर्वेक्षण अनुमति प्रदान करबाक निर्णय कएने छल।
काठमाडौं : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)ले आगामी भदौ महिनादेखि ‘नागरिक, नीति र नेतृत्व’ नामक नयाँ कार्यक्रम सुरु गर्ने भएको छ ।...
कपिलवस्तु । कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर किरण सिंह जंगलमा मृत अवस्थामा फेला परेका छन्। गत शुक्रबार दिउँसोदेखि सम्पर्कविहीन रहेका सिंहको शव...
कपिलवस्तु : तीन दिनदेखि बेपत्ता रहेका कपिलवस्तु नगरपालिकाका पूर्वमेयर तथा नेपाली कांग्रेसका नेता किरण सिंह मृत अवस्थामा फेला परेका छन् ।...