नेपाल नागरिकता विधेयकमे माएके वंश सेहो कायम कएल गेल: गृहमन्त्री लेखक – Naya Bikalpa
October 24, 2026, Saturday      Epaper

नेपाल नागरिकता विधेयकमे माएके वंश सेहो कायम कएल गेल: गृहमन्त्री लेखक

काठमाण्डू : गृहमन्त्री रमेश लेखक नेपाल नागरिकता (दोसर संशोधन) विधेयकसँ माएके वंश सेहो कायम हएत बतौने छैथ ।

आइ प्रतिनिधिसभा बैसारमे प्रस्तुत भेल नागरिकता विधेयकक सम्बन्धमे गृहमन्त्री लेखक माएके नामसँ नागरिकता भेटबाक स्थितिकेँ सुनिश्चित कएल गेल बतौलैन । “हमसभ ई ऐतिहासिक प्रस्थान कएने छी । माएसँ सेहो वंश कायम होइत अइछ । माएक नागरिकताक आधारमे सन्तान नागरिकता प्राप्त करत से बातकेँ विधेयकमे सुनिश्चित कएल गेल अइछ । बाबूक पहिचान नै भेल अवस्थामे माएके नामसँ नागरिकता देल जा सकैत छै, ई विधेयकके आधारभूत तत्व छियै”, ओ कहलैन ।

विधेयकमे १६ वर्ष उमेर पूरा नै भेल आ बाबु वा माए मध्ये कमसँ कम एक गोटे नेपाली नागरिक रहल नाबालककेँ वैदेशिक यात्रामे सहजीकरण करबाक लेल नाबालक परिचयपत्र प्राप्त क सकबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।

ओ कहलैन, “संविधानक भावना अनुसार कोनो भी नेपाली नागरिक नागरिकता प्राप्त करबाक हकसँ वञ्चित नै हएत । सङे , नेपाली नागरिक माएसँ जन्म भेल सन्तान माएक नामसँ नागरिकता प्राप्त करबाक लेल संवैधानिक व्यवस्थाक पूर्ण रूपसँ कार्यान्वयन हएत , जखन कि माए वा बाबु जन्मक आधारमे नागरिकता प्राप्त कएने नागरिकक सन्तानसभ अङ्गीकृत नागरिकता प्राप्त क सकत ।”

विद्यमान सामाजिक परिवेश अनुसार पहिचानविहीन रहए पड़ल वैदेशिक रोजगारमे गेल नेपाली महिलाक सन्तान नागरिकताविहीन भ रहल अवस्थामे अङ्गीकृत नागरिकता प्राप्त क सकत, से हुनकर कहब अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

एमाले भ्रष्टाचारीलाई जोगाउने पार्टी हो, तत्काल एकता सम्भव छैन : प्रचण्ड
एमाले भ्रष्टाचारीलाई जोगाउने पार्टी हो, तत्काल एकता सम्भव छैन : प्रचण्ड
  • २०८२ भाद्र १८, २०: ५०

काठमाडौं : नेपाली कम्युनिस्ट पार्टीका संयोजक एवं पूर्वप्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ले नेकपा (एमाले) सँग राष्ट्रिय मुद्दाहरूमा सहकार्य हुनसक्ने भएपनि तत्काल...

नेपाल–भारत पर्यटन साझेदारी विस्तार गर्न ‘क्रस बोर्डर टुरिजम कनेक्ट’ हुँदै
नेपाल–भारत पर्यटन साझेदारी विस्तार गर्न ‘क्रस बोर्डर टुरिजम कनेक्ट’ हुँदै
  • २०८२ भाद्र १८, २०: ५०

चितवन : कात्तिक ९ देखि ११ गतेसम्म नेपाल–भारत क्रस बोर्डर टुरिजम कनेक्ट २०२६ कार्यक्रम आयोजना हुने भएको छ । गैरआवासीय...

औषधि पसलबाट लागुऔषध कारोबार, सञ्चालिका पक्राउ
औषधि पसलबाट लागुऔषध कारोबार, सञ्चालिका पक्राउ
  • २०८२ भाद्र १८, २०: ५०

कास्की : पोखरामा औषधि पसलका आवरणमा प्रतिबन्धित लागुऔषको कारोबार हुने गरेको फेला परेको छ । औषधि बिक्री गर्ने पसलबाटै ठूलो...