गुह्येश्वरीमे छैठक तैयारी – Naya Bikalpa
June 27, 2026, Saturday      Epaper

गुह्येश्वरीमे छैठक तैयारी

काठमाण्डू : दीपावली भेलाक बाद राजधानीलगायत मिथिला क्षेत्र तथा तराईके अन्य जिल्लामे छैठक तैयारी सुरु भेल अइछ ।

पशुपति क्षेत्रस्थित गुह्येश्वरी मन्दिर बगलमे बागमती कात सेहो आकर्षक छैठ घाट निर्माण होब लागल अइछ । अइ क्षेत्रमे ६७५ टा छैठ घाट निर्माण सुरु कएल गेल गुह्येश्वरी गौरीघाट छैठ पूजा समिति जनाैलक अइछ ।

अहिना कमल पोखरी, नाग पोखरीलगायत स्थानमे छैठक घाट निर्माण भ रहल अइछ । छैठमे घाटक आगु पाइनमेसँ सूर्यकेँ पूजा आराधनासहित अरघ देल जाइत अइछ । कार्तिक कृष्ण प्रतिपदा दिनसँ लसुन, पियाजलगायत तामसी खाद्य परिकार नै खेबाक चलन अइछ ।

कृषि प्रधान देशमे ई पावैन कृषि सामग्रीसँ सेहो सम्बन्धित अइछ ।अन्न बाली उत्पादन भ घर अनबाक समयमे देवताकेँ ओ अन्न चढ़ेबाक अवसरक रुपमे सेहो छैठ पर्वक उपयोग होइत आएल अइछ । वितल समयमे काठमाण्डूसहित पहाडी जिलामे सेहो धुमधामसँ छैठ मनाएल जा रहल अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
६० वर्षपछि जगद्गुरु विधुशेखर भारतीको नेपाल भ्रमणले धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा उत्साह
  • २०८१ कार्तिक १९, १२: १९

नेपाल भारत धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा सदिँयौदेखि निरन्तर चल्दै आएको आपसी सम्बन्ध र धार्मिक अनुष्ठानका कार्यक्रमहरु हिन्दु धर्मावलम्बीहरुका लागि उच्च...

एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
एमालेक सङ्गठित सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि
  • २०८१ कार्तिक १९, १२: १९

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन...

जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
जनयुद्धमे महिलाक सहभागितासँ मात्र ३३ प्रतिशत अधिकार स्थापित भेल : अध्यक्ष दाहाल
  • २०८१ कार्तिक १९, १२: १९

काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच...