
दमौली : सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरुङ भाषाके संरक्षण करबाक लेल घरेसँ प्रयास करबाक बात कहलैन अइछ । दमौलीमे शनिदिन तमु विद्यार्थी छोंज धींके १२म महाअधिवेशनक उद्घाटन करैत ओ भाषा आ संस्कृतिक संरक्षणक आवश्यकतापर जोड दैत कहलैन “भाषा लोप भेला पर संस्कृति सेहो लोप भ जाएत।”
मन्त्री गुरुङ घरेसँ अपन भाषामे बाजबाक संस्कृतिके विकास भेलापर भाषाक संरक्षणमे योगदान पहुँचत से बताबैत बेटाबेटीसँ बजैत काल माएबाबूद्वारा मातृभाषामे बजबाक आव्श्यकतापर जोड़ देलैन । सरकारक प्रवक्ता मन्त्री गुरुङ कहलैन जे गुरुङ जाइतक मात्र नै हरेक जातजातिके भाषा संरक्षणके लेल सरकार प्रतिबद्ध अइछ ।
तमु विद्यार्थी छोंज धीं गुरुङ विद्यार्थीक हकहित तथा अधिकार संरक्षण आ सम्बद्र्धन करबाक उद्देश्यसहित वि.सं २०५२ साल माघ २६ गते स्थापना भेल छल । वि. सं २०५२ साल माघ २६ तथा २७ गते बुटवलमे प्रथम महाधिवेशन, वि.सं २०५४ सालमे काठमाण्डूमे दोसर सम्मेलन, वि.सं २०५७ मे चितवनमे तेसर सम्मेलन, वि.सं २०६० सालमे धरानमे चारिम सम्मेलन, वि.सं २०६३ सालमे पोखरामे पाचम् सम्मेलन, वि.सं २०६६ सालमे पोखरामे छह्म सम्मेलन, वि.सं २०६८ सालमे बुटवलमे सातम्, वि.सं २०७० मे काठमाण्डूमे आठम्, वि.सं २०७५ मे काठमाण्डूमे नवम, वि.सं २०७९ मे काठमाण्डू दशम सम्मेलन सम्पन्न भेल छल ।
नेपाल भारत धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमा सदिँयौदेखि निरन्तर चल्दै आएको आपसी सम्बन्ध र धार्मिक अनुष्ठानका कार्यक्रमहरु हिन्दु धर्मावलम्बीहरुका लागि उच्च...
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क पार्टी सदस्य सङ्ख्या ३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । ललितपुर, गोदावरीस्थित सनराइज सम्मेलन...
काठमाण्डू : नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ वैज्ञानिक समाजवाद स्थापनाक लेल विचार मिलैबला इमान्दार शक्ति बीच...