कोशी प्रदेशसभाः विधेयक सर्वसम्मतिसँ पारित – Naya Bikalpa
June 24, 2026, Wednesday      Epaper

कोशी प्रदेशसभाः विधेयक सर्वसम्मतिसँ पारित

विराटनगर : कोशी प्रदेशसभाक आजुक बैसारमे ‘योगदानमूलक निवृत्तभरण कोष स्थापना तथा सञ्चालन सम्बन्धमे व्यवस्था करए लेल बनल विधेयक’ सर्वसम्मतिसँ पारित भेल अइछ।

कोशी प्रदेश सरकारक आर्थिक मामिला तथा योजनामन्त्री रामबहादुर मगर विधेयक पारित कएल जाए से प्रस्ताव पेश कएने छल। ओइ विधेयककेँ सभामुख अम्बरबहादुर विष्ट निर्णयार्थ प्रस्तुत कएलाक बाद विधेयक सर्वसम्मतिसँ पारित भेल।

विधेयकमे कोशी प्रदेशसभा सदस्य रमेश कुमार बस्नेत आ शोभा चेम्जोङ संशोधन प्रस्ताव राखने छल। प्रदेशसभा सदस्य बस्नेतकेँ संशोधन प्रस्ताव अस्वीकार भेल छल, जखन कि प्रदेशसभा सदस्य चेम्जोङ अपन प्रस्ताव वापस ल लेलैन।

आइकेँ बैसारमे ‘कोशी प्रदेशमे सरकारक कामकाजक भाषा सम्बन्धमे व्यवस्था करए लेल बनल विधेयक’ सदनमे टेबुल भेल अइछ। सामाजिक विकासमन्त्री पाँचकर्ण राई ओइ विधेयक प्रस्ताव कएने छल। ओ कहलैन जे भाषा आयोग अइ प्रदेशमे १४ टा भाषाक सिफारिस कएलाक बादो अखन लेल लिम्बू आ मैथिली भाषाकेँ सरकारी कामकाजक लेल बनाएल जाएत, सङे अइमे सरकारक आर्थिक भार सेहो बढ़ल कहलैन।

विशेष समय

बैसारक विशेष समयमे जनता समाजवादी पार्टी कोशी प्रदेशसभाक संसदीय दलक नेता निर्मला लिम्बू, लिम्बू भाषामे अपन बात राखलैन।

शून्य समय

बैसारक शून्य समयमे कोशी प्रदेशसभा सदस्य खिनु लङ्वा लिम्बू, गोम्बु शेर्पा, मीना श्रेष्ठ, रामदेव यादव, रामप्रसाद महतो, कमला दर्नाल, शीलादीक्षित कार्की, मैया श्रेष्ठ आ भीम पराजुली प्रदेशक समसामयिक विषयमे सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन।

प्रदेशसभाक अगला बैसार अइ साओन २६ गते दिनक १ बजे हएत।

सम्बन्धित समाचार

रास्वपाको महाधिवेशन लम्बिएपछि प्रतिनिधिसभाको बैठक सर्‍यो
रास्वपाको महाधिवेशन लम्बिएपछि प्रतिनिधिसभाको बैठक सर्‍यो
  • २०८२ श्रावण २५, २१: ०७

काठमाडौं : प्रतिनिधिसभाको यही असार ११ गते बिहीबारका लागि पूर्वनिर्धारित बैठक यही असार १२ गते शुक्रबारका लागि सरेको छ । संघीय...

बर्डफ्लु संक्रमण ११ जिल्लामा फैलियो
बर्डफ्लु संक्रमण ११ जिल्लामा फैलियो
  • २०८२ श्रावण २५, २१: ०७

काठमाडौं : नेपालमा बर्डफ्लु (एच५एन१) संक्रमण ११ जिल्लामा फैलिएको छ । तीन महिनाअघि मोरङबाट सुरु भएको संक्रमण हालसम्म झापा, सुनसरी,...

सार्वजनिक स्थलमा अश्लील हर्कत गर्ने ४ जना पक्राउ
सार्वजनिक स्थलमा अश्लील हर्कत गर्ने ४ जना पक्राउ
  • २०८२ श्रावण २५, २१: ०७

काठमाडौं : विराटनगर महानगरपालिका– १ मा रहेको परोपकार घाटमा मध्यरातमा अश्लील कार्य गर्ने चार जनालाई प्रहरीले पक्राउ गरेको छ ।...