चुरे संरक्षणक लेल तीनू तहक सरकार आ स्थानीय बीच सहकार्य आवश्यकः कार्यवाहक प्रधानमन्त्री सिंह – Naya Bikalpa
June 24, 2026, Wednesday      Epaper

चुरे संरक्षणक लेल तीनू तहक सरकार आ स्थानीय बीच सहकार्य आवश्यकः कार्यवाहक प्रधानमन्त्री सिंह

सिरहा : कार्यवाहक प्रधानमन्त्री तथा शहरी विकासमन्त्री प्रकाशमान सिंह चुरे क्षेत्रक संरक्षण तथा जलवायु परिवर्तनक असर न्यूनीकरणक लेल तीनू तहक सरकार आ स्थानीय बीच सहकार्य आवश्यक रहल बतौने छैथ ।

लहानमे निर्माण सम्पन्न भेल नव व्यापारिक भवनक आइ एत एक समारोह बीच उद्घाटन करैत कार्यवाहक प्रधानमन्त्री सिंह चुरेक दीर्घकालीन संरक्षणसँ मधेशमे देखल गेल वातावरणीय समस्या समाधान हएबाक उल्लेख केलैन ।

“नेपालक अर्थतन्त्रकेँ आगा बढेबाक क्रममे शहरी विकास तथा भवन निर्माण विभागद्वारा खेलल गेल भूमिकाक उच्च मूल्याङ्कन करैत छी”, ओ कहलैन । भवन निर्माण समयमे सम्पन्न कएलापर प्रशंसा करैत कार्यवाहक प्रधानमन्त्री सिंह अइसँ आयोजना समयमे सम्पन्न होइत अइछ कहैत सकारात्मक सन्देश देलक उल्लेख केलैन । भवनक सही व्यवस्थापन आ उपयोग कएल जेबाक चाही, ओ कहलैन ।

कार्यक्रममे संविधानसभा सदस्य तथा नेपाली कांग्रेस सिरहाक सभापति रामचन्द्र यादव जिलाक कृषि क्षेत्रक विकासक लेल कमला नदी आ कोशी नदीसँ पाइन आइन सिँचाइ आयोजना निर्माण करब आवश्यक रहल बतौलैन। किसानकेँ आवश्यक मलखाद सहज रूपमे उपलब्ध करेबाक लेल ओ सरकारसँ माँग केलैन ।

लहानक नगरप्रमुख महेशप्रसाद चौधरी लहानकेँ वीरगञ्ज आ जनकपुरक बाद तेसर पैघ व्यापारिक केन्द्रक रूपमे चिनाबैत, सुविधा सम्पन्न भवन नगरक आर्थिक गतिविधि आओर सुदृढ बनेबाक विश्वास व्यक्त केलैन । सघन शहरी तथा भवन निर्माण आयोजनाक आयोजना प्रमुख सुरेन्द्र कुमार साहक अनुसार सघन शहरी तथा भवन निर्माण आयोजना सप्तरी अन्तर्गत लहान–६ आ ७मे ३१ करोड़ ८८ लाख टकाके लागतमे ओइ बहुउद्देश्यीय भवन निर्माण कएल गेल अइछ । ओ भवन लहान नगरपालिकाकेँ हस्तान्तरण कएल गेल अइछ ।

सम्बन्धित समाचार

रास्वपाको महाधिवेशन लम्बिएपछि प्रतिनिधिसभाको बैठक सर्‍यो
रास्वपाको महाधिवेशन लम्बिएपछि प्रतिनिधिसभाको बैठक सर्‍यो
  • २०८२ श्रावण २२, २१: १३

काठमाडौं : प्रतिनिधिसभाको यही असार ११ गते बिहीबारका लागि पूर्वनिर्धारित बैठक यही असार १२ गते शुक्रबारका लागि सरेको छ । संघीय...

बर्डफ्लु संक्रमण ११ जिल्लामा फैलियो
बर्डफ्लु संक्रमण ११ जिल्लामा फैलियो
  • २०८२ श्रावण २२, २१: १३

काठमाडौं : नेपालमा बर्डफ्लु (एच५एन१) संक्रमण ११ जिल्लामा फैलिएको छ । तीन महिनाअघि मोरङबाट सुरु भएको संक्रमण हालसम्म झापा, सुनसरी,...

सार्वजनिक स्थलमा अश्लील हर्कत गर्ने ४ जना पक्राउ
सार्वजनिक स्थलमा अश्लील हर्कत गर्ने ४ जना पक्राउ
  • २०८२ श्रावण २२, २१: १३

काठमाडौं : विराटनगर महानगरपालिका– १ मा रहेको परोपकार घाटमा मध्यरातमा अश्लील कार्य गर्ने चार जनालाई प्रहरीले पक्राउ गरेको छ ।...